आयल निगमके नाफा सवा ३१ करोड, पेट्रोलमे प्रतिलिटर ७ रुपैयाँ सँ बेसी नाफा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आयल निगमके नाफा सवा ३१ करोड, पेट्रोलमे प्रतिलिटर ७ रुपैयाँ सँ बेसी नाफा

आयल निगमके नाफा सवा ३१ करोड, पेट्रोलमे प्रतिलिटर ७ रुपैयाँ सँ बेसी नाफा 

अपन मिथिला/जेठ १९ गते,नेपाल आयल निगम (एनओसी) पेट्रोलियम पदार्थ आ एलपी ग्यास विक्रिसँ सवा ३१ करोड रुपैयाँ नाफा कमौनेअछि । निगम भारतसँ पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएने अनुसार मे महिनामे ओ नाफा देखलगेलअछि ।
भारतीय आयल कर्पोरेशन (आइओसी) गत मे महिनाके १६ तारिखमे पठौने मुल्य सूची अनुसार पेट्रोलियम पदार्थमे निगमके नाफा देखलगेलअछि । मे महिनाके १६ तारिखमे आइओसी पठौने मुल्य सूची अनुसार निगम कूल ३० करोड ८२ लाख रुपैयाँ नाफा कएनेअछि । अय महिना निगम एलपी ग्यास वाहेक सबमे नाफा कएनेअछि ।
निगमके अनुसार अय महिना पेट्रोलमे मात्र १३ करोड १ लाख रुपैयाँ कूल नाफा अछि तँ डिजेलमे १५ करोड ७७ लाख, मट्टितेलमे एक करोड ५६ लाख, आन्तरिक हवाइ इन्धनमे एक करोड ९१ लाख आ अन्तर्राष्ट्रिय हवाई इन्धनमे ८ करोड १९ लाख रुपैयाँ कूल नाफा कएनेअछि । निगम एलपी ग्यासमे कूल ९ करोड ६१ लाख रुपैयाँ नोक्सानी रहल जनौलकअछि ।
पेट्रोलमे मात्र निगमके अखन प्रति लिटर ७ रुपैयाँ ६६ पैसा नाफा अछि । अहिना, डिजेलमे प्रति लिटर २ रुपैयाँ ४७ पैसा, मट्टितेलमे १६ रुपैयाँ ७५ पैसा, आन्तरिक हवाइ इन्धनमे प्रतिलिटर ९ रुपैयाँ ८ पैसा आ अन्तर्राष्ट्रिय हवाइ इन्धनमे प्रति लिटर १६ रुपैयाँ ८० पैसा नाफा रहल आयल निगम जनौलकअछि । एलपी ग्यासमे तँ प्रति सिलिण्डर ९३ रुपैयाँ ६२ पैसा नोक्सानी रहल निगम जनौलकअछि ।

कोई टिप्पणी नहीं