मृतक म्यादी प्रहरीके क्षतिपूर्ति देबऽपरिवाक माग - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मृतक म्यादी प्रहरीके क्षतिपूर्ति देबऽपरिवाक माग

मृतक म्यादी प्रहरीके क्षतिपूर्ति देबऽपरिवाक माग 

अपन मिथिला/ जेठ १९ गते,ड्यूटीमे रहल बेर एकाएक बेहोस भऽक उपचारार्थ जनकपुर अञ्चल अस्पताल लबति काल बाटेमे मृत्यु भेल म्यादी प्रहरी श्याम किशोर मण्डलके क्षतिपूर्ति देबपर्वाक माग स्थानीयवासी तथा परिवारजनसभ कएलकअछि ।
धनुषाधाम ईलाका प्रहरी कार्यालयमे कार्यरत म्यादी प्रहरी मण्डल जेठ ३ गते एकाएक बेहोस भेलछल ।
स्थानीयवासीसभ प्रहरीके सहयोगमे ओकरा एम्बुलेन्स बजाक जनकपुर अञ्चल अस्पतालदिस लबतिकाल बाटेमे मृत्यु भेलछल । २८ वर्षीय मृतक मण्डल धनुषाधाम नगरपालिका १ धनुषा गोविन्दपुरके स्थायीबासी छल ।
बृहस्पतिदिन स्थानीय बालेश्वर मण्डलके नेतृत्वमे आएल धनुषाधामबासीसभ प्रहरी उपरीक्षक लालमणि आचार्यसाथे भेट कऽ मृतक परिवारके क्षतिपूर्ति उपलब्ध कराबपर्वाक माग कएनेछल ।
आर्थिक अवस्था एकदमे कमजोर भेल श्यामकिशोरके कानुन बमोजिमके क्षतिपूर्ति उपलब्ध कराब स्थानीयबासीसभ प्रहरी प्रमुख आचार्यसाथे आग्रह कएनेछल ।
प्रहरी उपरीक्षक आचार्य मृतक मण्डल नियमानुसार पाबऽपरिवाक सुविधा तथा क्षतिपूर्तिके लेल आवश्यक पहल कएने जानकारी देलनि ।

कोई टिप्पणी नहीं