पर्सा मे बाढ़ि सँ दहाकेँ एगो लडकी केँ जान गेल आ एगो लडका वेपता - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

पर्सा मे बाढ़ि सँ दहाकेँ एगो लडकी केँ जान गेल आ एगो लडका वेपता

पर्सा मे बाढ़ि सँ दहाकेँ एगो लडकी केँ जान गेल आ एगो लडका वेपता


अपन मिथिला ,अखार/पर्सा, १७ / पर्सा मे एल बाढ़ि सँ एगो लडकी के मृत्यु भेल अछि आ एक लडका वेपता भेगेल खबैर अछि। पर्सागढी नगरपालिका वडा नं. ८, हरपुर रमउली निवासी जादोलाल राम के बेटी बर्ष १५ के प्रतिमा राम के मृत्यु भेल। परिक्षा दके स्कुल सँ घर आरहल कक्षा ९ मे पढीरहल प्रतिमा के फन्टी नदी पार करैत समय दहाके मृत्यु भेल अस्थाई प्रहरी चौकी बिरुवागुढी बढनियार के असई प्रभु कुमार जयसवाल जानकारी देलक ।

आ प्रतिमा के संगे में आरहल स्थानिय जोखु महतो के भान्जा बर्ष १५ के सुरेन्द्र महतो वेपता रहल असई जयसवाल कहलक। असई जयसवाल के अनुसार चार गोटे बालबालिका एक साथ परिक्षा दके घर आरहल, जै मे २ गोटे के सकुशल उदार केल गइल आ एक गोटे वेपता रहल ऒर प्रतिमा के शव मिलल अछि ।

सकुशल उदार भेल मे सुमन पासवान आ प्रतिमा चौरसिया छेल । मिलल शव के मुचुलका उठावेवाला काम आ वेपता रहल सुरेन्द्र के खोजतलास भी भरहल पुलिस जानकारी देने अछि । वेपता रहल महतो के बारा जिल्ला के दोहरी मे घर अछि उ आपन मामा के घर रहि के पढ़ि रहल छेल।

एने २ दिन से लगातार रुप मे भरहल बर्षा सँ भेल क्षती के विवरण आबै के बाकी रहल अछि । क्षति के बारे मे निरिक्षण कर अभी पर्सा के सि.डि.यो. लोकनाथ पौडेल आ एस.पी. रेवती ढकाल निकलल अछि जील्ला प्रहरी कार्यालय के प्रवक्ता समेत रहल डि.एस.पी. सत्यनारायण थापा जानकारी देलक।



।।

कोई टिप्पणी नहीं