नेपाल के रौतहट जिल्ला में बाढ़ि सँ १५० गोटे अलपत्र - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

नेपाल के रौतहट जिल्ला में बाढ़ि सँ १५० गोटे अलपत्र

नेपाल के रौतहट जिल्ला में बाढ़ि सँ १५० गोटे अलपत्र 


अशोक कुमार सहनी / अपन मिथिला /रौतहट मे करिब १५० गोटे अलपत्र परल छथि 
बाग्मति नदीक किनार सँ जुड़ल रौतहटक राजदेवी नगरपालिका  आ दुर्गा भगवती गाउपालिका केर बड़हरबा, बसतपुर टोल बाढी केर उच्च जोखिम रहल अछि. अखनि राति १०:४६ धरि १५० लोक पच्छिम बाग्मती आ पुर्व मनुष्मारा नदीक बिच मे अवस्थित क्षेत्रमे अलपत्र पड़ल अछि। पानिक बहाब उच्च भेला सँ नाव सँ पार लगेनाई मोसकिल भऽ रहल बात रौतहट केर प्रमुख जिला अधिकारीक उदृत करैत प्रभावशाली दैनिक जनौलक अछि। उक्त पत्रिका के अनुसार बागमती आ मनुस्मारा नदीक बिच मे फसल १५० गोटेक उद्धार करेवाक हेतु हेलिकप्टर केर प्रयोग करेवाक माग सेहो केलैन थिक.।