बागमती नदी में फँसल आदमी सभ केँ सकुशल बचाबल गेल आ दर्जनों गाम में हाइएलर्ट जारी भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बागमती नदी में फँसल आदमी सभ केँ सकुशल बचाबल गेल आ दर्जनों गाम में हाइएलर्ट जारी भेल

बागमती नदी में फँसल आदमी सभ केँ सकुशल बचाबल गेल आ दर्जनों गाम में हाइएलर्ट जारी भेल
फ़ाइल छबि

अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला/  १९ आसाढ़ । पूरा नेपालमें दु दिन सँ लगातार भरहल बर्खा सँ रौतहट के दर्जनो गांम फेर सँ बाढ़ि के चपेट मे  आबै के संभावना भेगेल छथि । राजदेवी नगरपालिका वाड नम्बर ४ मे रहल बागमती नदी के गड़हीया ओर नदी के बीच मे फंसल एक सौ सँ बेसी गोटे के  रौतहट आ सर्लाही प्रहरी के समन्वय मे बचावल गेल अछि।

बागमती नदी मे डेंगी के सहारा सँ आर पर आबैत जाइत करेवाला सर्लाही जाए के माना करैत आ रौतहट तरफ उ आदमी सभ के  नइ लाब सकै सँ दुनु जिल्ला के प्रहरी मिलके सर्लाही तरफ बचाव केल गेल प्रहरी निरीक्षक मनोज यादव जानकारी देने छथि  ।

बितल  सावन महिना के अंतिम में एहिना  लगातार भरहल भरी बार्खा के कारण रौतहट के लालबकैया  आ बागमती के बान्ह दर्जनो जगह टुटला सँ रौतहट बाढ़ि के चपेट मे परल छेल। बितल साल के बिनाशकरी बाढ़ि मे पर के १७ गोटे के जान सेहो गेल छेल। बाढ़ि मे डूबल कतेक गावन के स्थानीय लोग के नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी आ सश्स्त्र प्रहरी सभ मिल के बचावल गेल छेल ।

रौतहट के लालबकैया आ बागमती नदी के किनार मे रहल दर्जनो गांव मे जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहट द्वारा हाईएलर्ट जारी खेल गेल प्रहरी निरीक्षक मनोज यादव जानकारी देने छथि । रौतहट के बागमती नदी के किनारमें रहल पताही, बतस्पूर, चंडिया, मतसरी, पिपरा, समनपुर, सहित के गावन मे नेपाल प्रहरी सश्स्त्र प्रहरी भेज चुकल अछि । आ  लालबकैया नदी के किनार में  रहल कोपवा, बंजरहा, औरैया , इनरवा, राजपुर, कटहरिया समेत के गाम मे नेपाल प्रहरी सशस्त्र प्रहरी समूह भेजै के साथ साथ नेपाली सेना के झुण्ड भी बचाव के खातिर भेजल गेल प्रहरी निरीक्षक यादव जानकारी देने छथि ।
फ़ाइल छबि