तराई मधेशमें आधा अखार बित गेल मुदा नई भेल पूरा धान रोपाई

✍👤अशोक कुमार सहनी /अपन मिथिला/अखार २०–धान उबजै वला क्षेत्र रहल तराई मधेशमें आँखिन तक बहुत कम रोपाई भेल अछि । शुरुमें पानि नई भेल ओहि सँ सुख्खाके कारण रोपाई नई भेल आ आँखिन बेसी पानि भेला सँ रोपाई नई भरहल छथि ।
सभ सँ बेसी उबजै वाल धान क्षेत्रके रुपमें परिचित रहल झापा, मोरङ्ग, सुनसरी, सिरहा आ सप्तरीमें १२.६१ प्रतिशत मात्रे रोपाइ भेल अछि। धानके लेल सुपरजोन घोषणा केने झापामें १२ प्रतिशत रोपाई मात्रे भेल छथि । आ सप्तरीमें १.५० और सिरहामें ८ प्रतिशत रोपाइ भेल अछि ।
धनुषा,महोत्तरी,सर्लाही पर्सा,बारा,रौतहट,चितवनमें ७.३८ प्रतिशत रोपाई मात्रे भेल ओहिने पश्चिमाञ्चलके तराई क्षेत्र कपिलवस्तु, रुपन्देही आ नवलपरासीमें २३.५४ प्रतिशत रोपाई पूरा भेल कृषि भूमि व्यवस्था तथा सहकारी मन्त्रालयके सहप्रवक्ता शंकर सापकोटा जानकारी देलक ।
तराईके बाँके, बर्दिया आ दाङमें २३.०९ आ कैलाली ऒर कञ्चनपुरमें ५४.०३ प्रतिशत रोपाई भगेल अछि। अखुन तक पूरा नेपाल में २२.०७ प्रतिशत रोपाई भेल छथि ।
जुम्ला आ डोल्पा जिल्लामें रोपाई सम्पन्न भचुकल अछि ।
कृषि मन्त्रालय देने जानकारी अनुसार पूर्वाञ्चलमें १६.१९ प्रतिशत, मध्यमाञ्चलमें ११.६६ प्रतिशत, पश्चिमाञ्चलमें २४.८४ प्रतिशत, मध्य पश्चिमाञ्चलमें २९.७२ प्रतिशत, सुदुर पश्चिमाञ्चलमें ५०.२१ प्रतिशत रोपाइ भचुकल अछि। उपत्यकाके काठमाडौमें ५५, भक्तपुरमें ४० आ ललितपुरमें ३५ प्रतिशत रोपाई भले सेहो जानकारी देने छथि ।
#अपन_मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं