नेपालीकेँ भारत जाय केलेल परिचयपत्र चाहि!, प्रदेश २ केँ सरकार केलक विरोध - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

नेपालीकेँ भारत जाय केलेल परिचयपत्र चाहि!, प्रदेश २ केँ सरकार केलक विरोध

नेपालीकेँ भारत जाय केलेल परिचयपत्र चाहि!, प्रदेश २ केँ सरकार केलक विरोध

अशोक कुमार सहनी / अपन मिथिला /नेपालीसभ केँ भारत जाय केलेल अथवा भारतीयसभ केँ नेपाल आबै केलेल परिचयपत्रके व्यवस्था करै लेल तयारी भरहल अछि ।

नेपाल–भारत प्रबुद्ध व्यक्ति समूह (ईपीजी)  तयार केने प्रतिवेदनमें परिचयपत्रके व्यवस्था करै के लेल सुझाव देने छथि ।

हुलाकी न्यूजके प्राप्त जानकारी अनुसार कुछ दिन पहिले  काठमाडौंमें सम्पन्न भेल ईपीजीके अन्तिम बैठक सँ तयार केने प्रतिवेदनमें परिचयपत्रके व्यवस्था करै लेल सुझाव देने छथि ।

खुल्ल सिमाना ठीक ठाक करैके लेल नेपाली पक्षके माग अनुसार परिचयपत्रके व्यवस्था करै सुझाव प्रतिवेदनमें राखने अछि। परिचयपत्र भेल आदमी मात्र भारत जायके मिलत से सुझाब में रखने छथि। अखुन तक उ प्रतिवेदन छूपा के राखने छथि आ सर्वजनिक नै भेल छथि।

दु बर्ष पहिले गठन भेल उ समूहके काठमाडौंमें सम्पन्न ९मा आ अन्तिम बैठकसँ साझा प्रतिवेदन तयार केने छेल ।

उ प्रतिवेदन पहिले भारतीय प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदी आ बाद में नेपालके प्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओलीके बुझाबै के तयारी में रहल अछि।

उ समूहमें भारतके सिमा क्षेत्रसँ जुड़ल मधेश सँ एको टा प्रतिनिधि नई राखने छेल ।

यत प्रदेश २ के सरकारमें भौतिक योजना मन्त्री जितेन्द्र सोनल परिचयपत्र व्यवस्थाके विरोध केने अछि।

हुलाकी न्यूजसँग बात चीत करैत मन्त्री सोनल मधेशीसभ सिमाना में रहैत आरहल आ सिमान बन्द भेला सँ आ कोनो परिचयपत्रके व्यवस्था करै सँ मधेशीसभ बेसी  प्रभावित हेत कहने छेल ।

‘मधेशीसभ दैनिक जिवन कटै लेल सेहो  भारतीय सिमा क्षेत्रके बजारमें भर अछि। हमरा सभ के पारिवारिक सम्बन्ध एहि पार ओहि पार अछि। सिमाना बन्द भेला सँ आ  परिवारके एक गोटे के परिचयपत्रके व्यवस्था करै सँ मधेशीसभ  सब सँ बेसी प्रभावित हेत।’ सोनल कहलक,‘नेपाल–भारतके सिमानामें मधेशीसभ कोनो अवरोध नाइ देख चाही रहल अछि। ओहि सँ  हम सभ विरोध करब।’

नेपाल–भारतबीचके खुल्ला सिमानाके दुनिया भर में चर्चा भरहल कहैत सोनल कहलक,‘भारत करहल जोर सौर सँ  विकास सँ हमरा सभ के सेहो लाभ लैके चाही। जकरा लेल  खुल्ला सिमाना महत्वपूर्ण अछि। मधेशीसभ खुल्ला सिमानासँ लाभ लैत आरहल अछि। सिमानामें कोनो अवरोध मधेशीसभ सही क नइ रहत।’

मन्त्री सोनल कहलक उ सुझाव तुरन्त हटा बै लेल परत ।

साभार:- हुलाकि न्यूज सँ नेपाली में 

मैथिली अनुवाद - अशोक कुमार सहनी

#अपन_मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं