मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपालद्वारा मैथिली साहित्यक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम ८ मा श्रृंखला समापन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपालद्वारा मैथिली साहित्यक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम ८ मा श्रृंखला समापन

मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपालद्वारा मैथिली साहित्यक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम ८ मा श्रृंखला  समापन 



विद्यानन्द वेदर्दी / अपन मिथिला, अखार-३० / मिथिला साहित्य-कला प्रतिष्ठान नेपालद्वारा आइ मासक अन्तिम शनि दिन अषाढ ३० गते दिनक २:३० बजेसँ श्री प वि मा वि राजविराजक प्राङ्गणमे मैथिली साहित्यिक तथा साङ्गितिक कार्यक्रम श्रृंखला  ८ देवेन्द्र मिश्र अध्यक्षता आ  रामअधीन सम्भव तथा डी पी शास्त्रीक प्रमुख आतिथ्यमे आयोजित भेल ।
         कार्यक्रमक शुरूवात गाेसाउनिक गीतद्वारा भेल। तेजू मैथिल, सरोज विरपुरिया,रमीला शाह, कञ्चन झा, गायत्री मिश्रक गीति-गायन आ शम्भूश्री‚ ऋतुराज अमरेन्द्र‚ शम्भुश्री, हृदयनमरायण यादव, रामअधीन सम्भव  मैथिली गजल प्रस्तुत कएलनि । ललिता झा, कृष्ण मैथिल,वन्दना मिश्र,मैथिल म्याक्स मुकेश यादव,ईन्जिनियर दिव्यानन्द मिश्र,धीरेन्द मण्डल 'मधेशी',विद्या झा 'डेजी' ,पिकीं कुमारी झा कविता वाचन कएलनि।  प्रतिष्ठानक उपाध्यक्ष  रबेन्द्र रवि द्वारा सञ्चालन कएल गेल एहि सम्पूर्ण कार्यक्रमक सम्पूर्ण प्रस्तुति युट्यूव चैनल 'इन्फो संसार' पर राखल जेत  ।
  प्रत्येक मासमे वाचित रचना सबहक साहित्य-सुधा नामसँ मासिक सङ्कलन प्रतिष्ठानक तदर्थ समितिक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रक सम्पादनमे प्रकाशित कएल जेबाक क्रममे अषाढ मासक साहित्य सुधा  सेहो एहि कार्यक्रममे वितरित  कएल गेल ।  प्रतिष्ठानक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्रद्वारा जुलाइ मासमे जनमदिन रहल मैथिलीक साहित्यकारलाेकनि सियाराम झा सरस, गाेपाल झा, राजेश्वर नेपाली, केदार कानन, रामचन्द्र मिश्र मधुकर, अादिक परिचय पात देल गेल। एहि अवसरपर केदार कानन रचित कविता " शब्दकाेष" सेहाे वाचन कएल गेल ।
    एहि कार्यक्रमक श्रृंखला - ९ साअाेन २६ गते आयोजित कएल जेबाक जनतब प्रतिष्ठानक सदस्य शम्भू श्री जानकारी देलनि ।

कोई टिप्पणी नहीं