गीत (कन्या भ्रूण ह्त्या ) मैथिली में - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

गीत (कन्या भ्रूण ह्त्या ) मैथिली में

गीत ( कन्या भ्रूण ह्त्या )
✍👤शिव कुमार झा टिल्लू
***********************************

नवनव जोड़ि जोड़ि नवल सजेलहुँ
हे ! आशाकेँ जगेलहुँ-
त' कि'ए घोंटलहुँ हे बाबू बेटी के परनमा !
नीके लाले अबितहुँ दुलार सिखबितहुँ
 भ'रिए देतहुँ हे लक्ष्मीबनि धन सोनमा
अबोध ने बोध देखल केहेन कपार लिखल
 कनेको भेंटल ना माय नेहरस कनमा  !
धयने रहू माता धीर सातेमासे देलहुँ पीड़
बेटिए बनि क' ना आयब अगिला जनममा !
लीखि क' राखब माता बेटा रखलक केहेन नाता
फेरसँ  जोड़ब ना  तनयक तोड़ल ओ मनमा !
अंतिम ई आश देवि बेटी केँ राखब सेबि
मोन जुड़त ना जखन दाबत दुखित तनमा !
मायबापक सुनय आह बेटा हो की बेटी वाह
 धर्म ने बुझय ना त' जीबिते मरनमा !

गीतकार - शिब कुमार झा जी

कोई टिप्पणी नहीं