चैतावर - 2021 - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चैतावर - 2021

 #चैतावर - 2021


मैथिल प्रशान्त जी


 ✍️मैथिल प्रशान्त


घुरिक' ने एलै गाम, हो रामा हमर सिनेहिया । 

जा बसलै कोन ठाम, हो रामा हमर सिनेहिया ।। 


मौलायल हिअ, फुलायल महुआ । 

रभसय कोइली, बड़ अगि लेसुआ ।। 

बिसरल गाछीक आम, हो रामा हमर सिनेहिया । 


राति इजोरिया, लगबय कबछुआ । 

हमरे सन अछि, चानो एसगरुआ ।। 

आँखि केलक उमडाम, हो रामा हमर सिनेहिया ।


विरहकेँ  बुझियौ,  प्रीतक  सोदर । 

नारीक  हिरदय, कहिया मोजर ।। 

प्रीतक करी अठजाम, हो रामा हमर सिनेहिया ।


Maithil Prashant

कोई टिप्पणी नहीं