परदेश में दुःख गै माई - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

परदेश में दुःख गै माई

___परदेश मे दुखे दुःख गै माईं__

[[[[[[[[[[[[[[[[[गजल]]]]]]]]]]]]]]]]]

रौंदे  बसात  कोरै  छि चट्टान  गै माईं/
मोन परैय  अपन.  खरियान  गै मांई\\

स्वर्गो स सुंदर अपन झोपरी़ घर छल/
परदेश मे हमरा लगैय झुझुवान गै माईं\\

तोहर  लाड़  प्यार  भेंटैय  नै  प्रदेश मे /
हमर आँईंखो के नोर भेल विरान गै माईं\\

अपन  घर दुवार मन मे  हब  घरि-घरी /
हमरा आदे मे बहैक जाईंय ध्यान गै माईं\\

सपना सपनाईं छि अपने घर मे सुतल छि/
निन्न टूटितें लगैय परदेश मे झप्ट्टान गै माईं\\

✍सुरज_कुमार_प्रीतम_जी
#सिनुरजोडा़_७ (हाल मलेशिया

कोई टिप्पणी नहीं