चोरनी चोर क ल गेलै
चोरनी चोरा क ल गेलै
किछूओ नहि छोइर गेलै
प्रीत ऐहन प्रेमक जोरि क
हमर दिल झकझोरि गेलै ।।
हमर आँखिक निन्न ल क
ल क दिल केर धड़कन
साँसो चोरा क ल गेलै ।।
चोरनी चोरा क ................
दिल पर कब्जा क लेलकै
चोरनी केहन सजा द देलकै
रोगी बना क चलि गेलै ।।
चोरनी चोरा क ..................
सब किछू लूटा देलियै
किछू नहि बचा पेलियै
निष्प्राण क के चलि गेलै ।।
चोरनी चोरा क ...................
✍रोशन मिश्रा
कोई टिप्पणी नहीं