मैथिलि गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिलि गीत

गीत
    ---------
    ---------

मिझरा गेलौं हमजे तोरामे,
बाँचल कहाँ किछुओ हमर ।
आब हथोरति जिनगी बितत ,
की तैयो भेटत मिसियो हमर ।।

लेसक' तों पसाही चलि गेलेँ,
कोना मिझेतै ई आगि कह ।
सुनगति धधकति तोहर आगिमे,
बिततै कोना राइत जागि कह ।।

तोहर नाम ल' तोहर गामसँ,
हम जा रहल छी हियाहारिक' ।
रहलेँ सदति छिरिहरा खेलाइत तों,
भावक अछिंजल छोड़लेँ घोंकारिक'।।

~> मैथिल प्रशान्त
  दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

कोई टिप्पणी नहीं