आउ किछु सुना रहल छी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आउ किछु सुना रहल छी

#आउ_किछु_सुना_रहल_छी....

कोशीक कछेर ठाढ़ हम,किछु गुनगुना रहल छी ।
उजड़ल सन ई गाम केर खिस्सा  सुना रहल छी ।

लोक लेल बहबैत नोर,सुनसान ई धरती बनल,
सोन उगलैत खेत सब,किए आइ  परती बनल,
परिचय एकर हेरा गेलइ,अनजान एक ख्वाबमे,
चोरौलक दिल दिल्ली एकर ,घाम बहै पंजाबमे,

सोचि किछु एहने व्यथा,हम माथा धुना रहल छी।
उजड़ल  सन ई गाम केर खिस्सा  सुना रहल छी ।

तोड़ि देलक एकर पोर पोर,आबिकैं शहरीकरण,
ओढ़ि लेलक संतान सभ, नव्यता केर   आवरण,
जाति-धरममे बँटि चुकल सभ गाम.टोल,चौक छै,
ई  देखि मंडन डीह केर शुग्गा सेहो आइ बौक छै,

किसलय अतीत हाथमे लए  झुनझुना रहल छी ।
उजड़ल  सन  ई गाम केर खिस्सा सुना रहल छी ।

Lyric_✍ Kislay_Krishna

कोई टिप्पणी नहीं