बेटी भेलसे बहानामे जिंगियो गुमाबैत आ घर सँ निकलैत औरत सब के - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बेटी भेलसे बहानामे जिंगियो गुमाबैत आ घर सँ निकलैत औरत सब के

बेटी भेलसे बहानामे जिंगियो गुमाबैत आ घर सँ निकलैत औरत सब के




बेटीमात्र जन्मलो कहिएके मानसिक तनाब भोईग रहल श्रदा सदाय के फोटो

✍अशोक कुमार सहनी,
लहान,सिरहा । सिरहाके गोबिन्दपुर गाविसमें एक औरतके बच्चा भेल २२ दिनक बाध रहस्य में मौत भेल । ओकर परिवारके आदमीसब कहै  छेल बेटी भेलौ  त माईंरदेबौ से धम्की कुछ महिना अगाडी से दरहाल हुनकर नैहर के कहनाम अछि आ बेटी के हत्या भेल बतेलक ।

 यत सिरहाके अर्नामा . गाविसके राम आशिष महरा, बेटा नै भेल त  नाति नातिनी भगेल तैयो १२ बर्ष बुच्चीसँगे विवाहके तयारी केल । मुदा प्रहरी आ अधिकारकर्मीके अगुवाइमे विवाह रुकल। ई घटना  उदारण मात्र अछि । बेटा नै भेल त तराईके बहुत औरतके पति कि त दोसर विवाह करै छै , कि त ओकरासबके जिनगी गुमाब परै छै , बहुत केत राईत-दिन दिमागी आ शारीरिके दुःख सेहो सहैके ओहे  पति आ परिवारसँगे जिनगी बितारहल छै ।

सिरहाके गाढा गाविस श्रद्धा सदाय वर्षेके चार टा बेटी जन्मेलक। सुकुम्बासी बस्ती के औरत पेटसँ आ बच्चा भेल त आराम आ नीक खाना खाईला नै मिलल। दू (२  ) टा बेटी के मौत भगेल । आखून डेढ वर्षकी बेटी छै। बर्षेके बच्चा भेल त शरीर गैइल चुकल अछि। ओकरा आखून घूम फिर उठ बैठ में बहुत् तखलिफ होइत अछि । मुदा ओकरा आखून शारिरके पीडा सँ बेटा नै भेल से कहिके पति दरहाल दुःख पीड़ा  सहैके  गरोह भेल अछि ।

 उ आखून साउस, ससुर से साथ में अछि । पति वैैदेशमें कमाइकेल कतारमें छै। गेल डेढ वर्ष भगेल आ घरमें एक रुपैयाँ नै पठेने छै । सात समुन्द्रपार रहल पति ओकरा दुःख सुःख पूछैके त दूर के बात सब दिन फोन कके घर छोइडके चैलजो कहिके गाइड आ धमकी दरहाल छै।

उ कहलक ‘पति फोन कके बेटा जन्माबैले नै सक्ली, हमर जिन्दगी बर्बाद कदेलहि, आइये घरसे  निकाइल जो गाइड दरहाल छै ।’ साउस ससुर सेहो कइला घरसे नै भगेलही से बेटा से बात करै छै कानैत कहलक ।

श्रद्धाके बहुत दिमागी यातना सहल तइयो कतो उजुरी नै केने अछि । पति विदेशसँ येत एहने दुःख देत तब प्रहरीमें उजुरी करब उ कहलक ।


बेटा नै भेल, दहेज नै लाबलक से आरोप में औरत ऊपर भरहल घटना भेल तैयो प्रहरीतक नै आबै अछि । बेटा नै भेल घटना भेलक बाध से के रिकॉर्ड में नै अछि कहै छै  ईलाका प्रहरी कार्यालय लहानके डीएसपी राज कुमार के.सी । के.सी कहै छै ,‘बेटा नै भेलकारण बहुत औरत पीडित अछि।’ ‘बहुविवाह, गाम घर के घटना, कुटपीट जेहेन समस्या लके ऐल औरतसबके  घटना के खोज बिन करैत गेल तब बेटा नै भेल घटना सब भेटल अछि  ।’

कोनो कारण सँ भेल घटना प्रहरीतक ऐलतब् मिल सकै के घटनासब छलफल कके परिवारमें मिलाबै छि,नै मिलैवाला घटनासब कानुन अनुसार अगाडी बढ़ाबै  अछि के.सीले जानकारी  देलक ।

औरत ऊपर भरहल घटना घटाबै के लेल प्रहरी सचेतना  कार्यक्रम ,सडक नाटक आ आखून ‘प्रहरी मेरो साथी ’ अभियान मार्फत सेहो काम भरहल के.सी जी बतोकल ।

अपन देह के अपने निर्णय नै लैके अधिकार औरतसबके नै रहलसे ओकराऔर ऊपर घटना बहुत् भरहल अधिकारकर्मी रेनु कर्ण जी बतारहल अछि। 'बेटा नै भेलतक मेसिन जेका आठ टा  बेटी भेल तैयो  बेटा नै भेल तातक दुःख आ तखलिफ सहै रहल, रेनू जी कहै छै ।

औरतऊपर भरहल एहेंन घटना सब के लेल अलग कानुनके जरूरी रहल कर्ण जी के कहनाम अछि।


✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं