चूक हमरा सँ भेलै त' भेलै मुदा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चूक हमरा सँ भेलै त' भेलै मुदा

चूक हमरा सँ भेलै त' भेलै मुदा
पूत तोरे कहेबउ गे मैया हमर
कोर आँचर के धएने रहबउ सदा
आश तोरे लगेबउ गे मैया हमर
चूक हमरा सँ......... .....

मानि लेलहुँ ने केलहुँ कनेको धरम
बयस बीतल करैत अधलाहे करम
भेल कहियो ने भान ओछ बुइधक हमर
व्यर्थ जिनगी भेलै व्यर्थ भेल जनम
आब ने डेबि लेमएं हमरा जँ तुँ
नाम तोरे हँसेबउ गे मैया हमर
चूक हमरा सँ...................

माथ पर हाथ राखि सोझ बाट देखा दे
छी अभागल गे माय मोर भाग जगा दे
ह'म छीहे अबोध हमर कोन ठेकान
पकड़ि आंगुर कनेक दूर तोंही बुला दे
मोख ध' नीच बइसल छी तोहर दुआरि
छोड़ि तोरा ने जेबउ गे मैया हमर
चूक हमरा सँ................
कोर आँचर के..............

                                  ✍ अमित पाठक



कोई टिप्पणी नहीं