अपन ५ सय टेस्टमें भारत जीतल, न्युजिल्यान्ड १९७ रनसे हारल

अपन मिथिला,कानपुर । भारत अपन टेस्ट क्रिकेटके पाँच सयौँ खेल जितने अछि । पाँच सयौँ खेलके रुपमें रहल न्युजिल्यान्डसगे पहिलका टेस्ट जितैत भारत अपन टेस्ट क्रिकेटके पाँच सयौँ खेल में जितल अछि ।
कानुपुरमें भेल पहिलका टेस्टमें भारत पहुना टोली न्युजिल्यान्डके १९७ रनसे हारने अछि । भारत ई खेल संगे अखुन तक खेलने पाँच सय टेस्टमें १ सय ३० खेलमें जित निकालैमे सफल भेल आ १ सय ५७ खेलमें हारल अछि । और दुई सय १२ खेल बराबरीमें खत्म भेल छेल। भारत पहिलका टेस्ट सन् १९३२ के जुन २५ सँ २८ तक लडर्स मैदानमें इंग्ल्यान्डसंगे खेलने छेल। उ खेलमें भारत एक सय ५८ रनसे हारल छेल ।
कानपुरमें ग्रीन पार्क मैदानमें भारत देने ४३२ रन चुनोती पीछा करैत न्युजिल्यान्ड दोस्रो पारीमें २३६ रनमें अलआउट भगेल । न्युजिल्यान्डके लेल लुके रोन्ची ८० आ मिथेल स्टाननर ७१ रन जोड़ने छेल इदुनु बाहेक और खेलाड़ी बेशी रन जोड् नै सकल छेल। भारतके रविचन्द्र आश्विनी असगरे ६ विकेट लेलक । न्युजिल्यान्ड पहिलो पारीमें २ सय ६२ रन बनने छेल ।
ओहिने पहिका पारीमें ३१८ रन जोडने भारत दोस्रो पारीमें ५ विकेट गुमाके ३ सय ७७ रन जोड़ैत् पारी समाप्तिके घोषणा केने छेल । भारतके लेल दोस्रो पारीमें चेतेश्वर पुजारा ७८ आ मुरली विजय ७६ रन जोडने छेल । आ रोहित शर्मा ६८ और रबिन्द्र जडेजा ५० रनमें अविजित रहल छेल । न्युजिल्यान्डके मिथेल स्टाननर २ विकेट लेने छेल।
पहिलका टेस्ट जित के साथ भारत ३ खेलके सिरिजमें १–० से आगु भेल अछि । दुनु टोलीबीचमें दोस्रो टेस्ट आबैवाल शुक्रदिन से कोलकातामें हेत ।
एजेन्सी

कोई टिप्पणी नहीं