बेटी पढाउ, बेटी बचाउ’ अभियानमें हेल्प मधेशी करत सहयोग - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बेटी पढाउ, बेटी बचाउ’ अभियानमें हेल्प मधेशी करत सहयोग

’बेटी पढाउ, बेटी बचाउ’ अभियानमें हेल्प मधेशी करत सहयोग

✍अशोक कुमार सहनी

अपन मिथिला, ९ गते असोज । मधेशीसबके हर विपद्मामें सहयोगी भूमिका निर्वाह करैत आरहल हेल्प मधेश नामक संस्था ’बेटी पढाउ, बेटी बचाउ’ अभियानमें सहयोग करत से प्रतिबद्धता केने अछि ।

हेल्प मधेशी (कतार च्याप्टर) के आयोजना आ पहल नेपालके संयोजनमें शैइनदिन ‘सामुदायिक समस्या, सम्भावित उपाय आ हाम्रो भूमिका’ विषयके अन्तरक्रिया कार्यक्रममें से प्रतिबद्धता जनेलक ।


नयाँबानेश्वरके सफा चौरासी व्यंजनमें शैइनदिन अन्तरक्रिया कार्यक्रमके आयोजना केने छेल।

‘हेल्प मधेशी’ कतारमें रहल नेपाली आ मधेशीसबके साझा संजाल अछि जे मधेशके लक्षित कके कोष निर्माण केने समाजिक कार्यमें सत्योग आ पहल करै आरहल अछि। अखुन हेल्प मधेश पछिला मधेश आन्दोलनके शहीद परिवारसबके निरन्तर सहयोग करैत आबैरहल अछि।



’पहल नेपाल’ देश भर आ बहार के सामाजिक कार्यमें सक्रिय आ रुचि राख्ने नेपालीसबके साझा संस्थाके रुपमें रहल अछि। पहल नेपालमें  सँ जुड़ल सामाजिक अभियन्ता सरोज राय आ ओकर  टिम बहुत प्राकृतिक प्रकोपके टाइम में सहयोग के  काम  करैत आरहल अछि । साथमें शहिद परिवार, कुष्ठरोगि, अपांग, गरिव, विपन्न सबके सबदीन सहयोग करैत आरहल अछि।

अन्तरक्रिया कार्यक्रममें विचार राख्ने क्रममें कतार सँ ‘हेल्प मधेशी’ में प्रमुख भूमिका करहल इंजिनियर. विरेन्द्र साह जी कतारमें काम करैवाल करिव ३००० सँ बेशी मधेशीसबके ’हेल्प मधेशी’ में जोड़ने छि आ बहुत्  कार्यक्रम कके मधेश आ मधेशीके स्तर उठाउन फन्ड जम्मा करहल छि से जानकारी देलक।

‘एक गोटे एक रियाल’ कहिके अभियान से सेहो सहयोग राशी जम्मा भरहल  साहजी  जानकारी  देलक । अखुनतक १४ शहीद परिवारसबके सब  महिना सहयोग राशी दरहाल अछि, आगलागी आ बाढी पिडितसबके सहयोग कचुकल और आबै वालदिनमें असहाय मधेशीसबके सहयोग करब हम सब तैयार रहल छी इंजिनियर. साहजी बतेलक ।

सामाजिक अभियन्ता सरोज राय आ ओकर टिम ‘पहल नेपाल’ के माध्यमसे शुरु करहल अभियान ’बेटी पढाउ, बेटी बचाउ’ में हेल्प मधेशी सँ पूरारूप से सहयोग करत से प्रतिबद्धता केने उ बतोलक।

विचार राखैके क्रममें सामाजिक अभियन्ता रायजी हम अखुन म्म मेसेन्जरके रुपम काम करैत आरहल छि अर्थात असहायसबके समस्या सहयोगीसबके बीच रखैत आ सहयोगीसबसे प्राप्त सहयोग असहायतक पुगाबै के काम करैत आ अब आबैवाल दिनमें कुछ प्रभावकारी योजना के तहत सामाजिक कार्यके अगाडी बढ़ेब से कहलक । सप्तरीके बाढीपीडितके लेल घर बनबैके योजना येहे दशहरा से शुरु करब आ बहुत् जल्दी ‘बेटी पढाउ, बेटी बचाउ’ अभियान  सेहो शुरु करब से जानकारी देलक।

हमसब करहल  सामाजिक कार्यके सहज रुपमें करै लेल  ‘पहल नेपाल’ नामक संस्था दर्ता कराब  लागल छि आ ई संस्था सब नेपालीके साझा संस्था रहत ओहिसँ ई संस्था में जुड़ैलेल सबके रायजी अनुरोध सेहो केलक।

एहि अवसरमें इंजिनियर मनोरथ साहजी ‘पहल नेपाल’ के माध्यमसँ १० टा दलित आ गरिव विद्यार्थीसबके बंगलादेशमें छात्रवृति उपलब्ध करादेव से प्रतिबद्धता केलक। ‘पहल नेपाल’ सँगे आवद्ध अधिकारकर्मी रीता साह जी आ रुपा झा जी दलितसबमे शिक्षाके लेल जोड़ दिए कहलक ।

अधिवक्ता सुरेन्द्र कु. महतोजी मधेशके प्राथमिकतामें राख्ने जोड़ दैत ‘पहल नेपाल’ सेहो दिनके १ रुपैयाँ सहयोग संकलन करत अभियान चलेव से सुझाव देलक आ साथमें रु. १ सहयोग करैत अपने से सुरुवात केलक ।



ओहिने, आनन्द आदित्य (अध्यक्ष चेल्सी कलेज), विक्की यादव, चन्द्र नारायण थारु (सप्तरी), दिगविजय मिश्र (कपिलवस्तु), आलोक तिवारी, श्याम किशोर साह, अधिवक्ता विकाश ठाकुर, अजमेरी खातुन, राम नारायण साह (सिरहा), रोशन महासेठ, उपेन्द्र यादव (पाटन क्याम्पस), संयोग देव (सप्तरी), लभ (महोत्तरी), बीपी साह (हुलाकी न्यूज) और बहुत सहभागीसब कतारसे ‘हेल्प मधेशी’ करहल सहयोगके तारीफ करैत ‘पहल टिम’ के ब्अअयगलतबदष्ष्तिथ आ त्चबलकउबचभलअथ में विशेष ध्यान दैत तत्काल शिक्षा बहुत् बड़का समस्या भेल ताहिसँ शिक्षा के प्राथमिकतामें राईख के काज कर सल्लाह देलक ।

मैथिलि अनुवाद ✍अशोक कुमार सहनी 👉 सेहो हेल्फ़ मधेशी (कतार च्याप्टर) के सदस्य अछि

1 टिप्पणी: