मैथिलि फिल्म “राखी के लाज” बहुत जल्दी आबै रहल अछि दर्शके के दिल जितैले - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिलि फिल्म “राखी के लाज” बहुत जल्दी आबै रहल अछि दर्शके के दिल जितैले


अशोक  कुमार सहनी ,ऑनलाइन सिरहा डटकम
समस्तीपुर के आनंद प्रोडक्शन के बैनर में बैनरहल मथिली फीचर फिल्म “राखी के लाज” के शूटिंग सफलतापूर्वक संपन्न भेल अछि | ई सिनेमा के शूटिंग 27 अक्टूबर 2015 के शुरू केल गेल छेल| स्थानीय कलाका के अभिनय से सजल ई फिल्म येहे साल के अंत तक ई फिल्म रिलीज़ होई के सम्भावना अछि | ई फिल्म औरत सशक्तिकरण पर आधारित अछि।

ई फिल्म के निर्देशक नरेश मंडल ग्राम दशौथ जिला समस्तीपुर के निवासी अछि| श्री मंडल अपन बहुमूल्य समय फिल्म नगरी मुंबई में बहुत नीक बैनर के साथ काज कके अनुभव प्राप्त केने अछि | नरेश जी अपन कुशल निर्देशन से फिल्म के भली भांति सजेने अछि, फिल्म के कहानी के लेखक आशुतोष सागर अछि। आ ओकरे लिखल गीत के संगीत से सजेने अछि प्रमोद, रोहित और मनीष जी |
छायांकन पवन मिश्रा के अछि। इसके सह निर्देशक ख़ुशी यादव, कार्यकारी निर्माता राम रसीला, प्रोडक्शन हेड प्रभात रॉय अछि|


फिल्म के मुख्य कलाकार के रूप में राम रसीला, आशुतोष सागर, कंचन सिंह, मंजू दुबे और सब काम केने अछि | समाज में औरत पर भरहल अत्याचार के खिलाफ नारी सशक्तिकरण के किरदार कर्णप्रिय गीत संगीत के साथ साथ फिल्म के माध्यम से मैथिलि भाषा में लोग के बीच पहुचाबैके के प्रयास केल गेल अछि | ई फिल्म दर्शके के खूब मनोरंजन करैत |


कोई टिप्पणी नहीं