मिरानिसे केर शंखध्वनि भचुकल अछि मिथिलासँ ल क प्रवाशी धरि उत्साह प्सरल अछि मिथिला राज्य लेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मिरानिसे केर शंखध्वनि भचुकल अछि मिथिलासँ ल क प्रवाशी धरि उत्साह प्सरल अछि मिथिला राज्य लेल

आय तक 70 वर्ष के इतिहास मे मिथिला राज्य के लेल 2000 लोक कतौह जमा नञि भेल, शायद हजारो नञि, हँ सांस्कृतिक कार्यक्रम के लेल हजार पाँच सौ अथवा पाँच हजार लोक प्रतिवर्ष जगह जगह जमा होइत छथि आ लाखक लाख रू. व्यय होइत अछि, सब मिला क पुरा देश मे सभ्यता संस्कृतिक रक्षार्थ( जेना कि तथाकथित कहल जाइत छैक ) करोड़ो रूपयाक व्यय मैथिलजन चूटकी बजबैत कय दैत छथि , सभ्यता संस्कृति की बचल अछि से सब ऑकलन करू ?


आब मुख्य मूद्दा पर आबी , जेना की आब लगभग सर्वविदित भ गेल अछि जे मिरानसे (MRNS) आगामी 8-9 नवम्बर कs मिथिला राज्य के  माँग के लेल एकटा विशाल जन चेतना अभियाँन के शंखनाद कयने अछि जाहि मे दड़िभंगा मे लगभग 20,000 मिथिलावासी के जूटानक संकल्प छैक, मिथिला के समस्त तीसो जीला के लोक के हकार जिला जिला जा कय देल जा रहल अछि आ लोक आबय के आश्वासन दय रहल छथि, तहिना प्रवासी सब सेहो आबय के आश्वासन स्वत: दय रहल छथि। वासी सबके जूटान त भइये रहल छैक हम विशेष रूप सँ प्रवासी लोकनि सँ आग्रह करब जे , जेना मुखिया चूनाउ मे सब गाम गेल रही तहिना मिथिला राज्य के लेल कोनो हालत मे अपने लोकनि दड़िभंगा के टिकट 8-9 नवम्बर के लेल कटाउ ।
आब सबस मूख्य मूद्दा जे हम पुन: एक बेर बिना भावना मे बहने सबसँ अनुरोध कय रहल छी जे आय तक कोनो सांगठनिक काज बिना अर्थ के नञि होइत छैक बल्कि कोनो काजे बिना अर्थ के नञि होइत छैक, विष्णु सर्वशक्तिवान् छथि एहि लेल कि हुनका संगे लक्षमी छथिन्ह। कहय के अर्थ जे हमरा लोकनि राज्य प्राप्तिक समरांगण मे छी, राज्यक प्राप्ति मे संगठन के अहम् भूमिका आ संगठन बिना अर्थ के संभव नञि, इतिहास साक्षी अछि जे एक सँ एक महान योद्धा अर्थ के आभाव मे शक्तिहिन भ राज्य पद सब गमा लेलाह मुदा पुन: जखन अर्थ प्राप्त भेलैन्ह त सबट वापस लय लेलाह, राणाप्रताप राज्यच्युत भेला के बाद सब आशा छोड़ि देने रहथि मुदा जखन भामाशाह अपन सर्वस्व धन सम्पत्ति प्रदान केलखिन्ह त पुन: सब प्राप्त कय लेलाह, त जखन प्रताप एहेन योद्धा अर्थ के आभाव मे शक्तिहीन भ गेलाह, कोनो भावना काज नञि देलकैन्ह त हमरा लोकनि कि छी ?
कहय के अर्थ जे 20 हजार लोक जूटेनाइ आ सबके हेन्डल केनाइ मामूली बात नञि ताहि के लेल प्रचूर अर्थ के आवश्यकत्ता हेतै  आ इ सांस्कृतिक कार्यक्रम सँ बेसी महत्वपूर्ण छैक , मानचित्र मे मिथिलाक स्थान दिआबय के इ अभियान छैक, एकरा हमरा लोकनि के निर्णायक बनेबाक अछि, तें शायद एकाउण्ट ऑपेन अछि आ व्यवस्थापक लोकनि से जानकारी देता , समस्त मिथिलावासी एहि मे अपन सहयोग द मातृभूमिक किछु कर्ज अदा करी, संभव हो त एहि बेर विद्यापति कार्यक्रम आंशिक रूप सँ करू वा सामार्थ्यवाँन लोकनि धूमधाम सँ करू से हम कियेक रोकब मुदा राज्य के प्राथमिकता दैत एहि दड़िभंगा क जनजागरण मे अपन अपन सहयोग जरूर दीयौक।
एकटा आर महत्वपूर्ण जानकारी जे मिरानसे एहि अभियान के आह्वान कयलक अछि मुदा एहि मे समस्त मिथिलावादी संगठन व पार्टी लोकनि एक भ जूटि रहल छथि, शायदे कियो अपवाद हो ?
एहि आन्दोलन सँ मिथिला राज्यक इतिहासक नव आ निर्णायक अध्याय शुरू होयत, समस्त मिथिलावादी आन्दोलन एक सूत्र मे परिणित होयत अर्थात भविष्य मे जे कोनो सुनियोजित मिथिला राज्य के लेल अभियान होयत चाहे ओ कोनो संगठन के माध्यम सँ होयत समस्त मिथिलावादी संगठन व दल ओहि मे सम्मलित रहताह अर्थात आब सब मिथिला राज्यक आन्दोलन एक आन्दोलन बूझायत अलग अलग नञि ?
संगहि संग निर्णायक सेहो , एकर गूंज शीघ्र संसद तक जेतै, आय तक मिडिया जे आँखि कान मूँदने अछि से  समस्त राष्ट्रीय मिडिया के जागय पड़तै । मिथिलावासी जगै जाउ , सब जाति पाति वर्ण धर्म बरकरार राखू मुदा "जय मिथिला" के नाम पर सब एक छी से देखा दियौ संसार के ?
...................
दू टा काज महत्वपूर्ण:-
1) 8-9 नवम्बर के लेल दड़िभंगाक टिकट कटाउ आ पाटि दियौक दड़िभंगा के
2) अपन आर्थिक योगदान सुनिश्चित करू ?
हजार पाँच सौ  कोना खर्च भ जाइत होयत , त एक बेर अहूना सही , की फर्क पड़ि जायत ? मुदा एकर परिणाम कतेक सुखद भ सकैछ से चिन्तन करब ?
आखिर मिथिलाक स्थान मान सम्मान स्वाभिमान के प्रश्न अछि ?
जय जगैत मिथिला ।
जे केयो गोटे एहि यज्ञमे सहयोग करे चाही त निम्न खातामे जमा करा सकैत छी...
Mithila Rajya Nirman Sena
Account No.: 1004551030062009
Bank: Uttar Bihar Graameen Bank
Bithouli, Darbhanga
Ifsc code CBIN0R10001
फेर ध्यान राखब जे माए मिथिला करैथ विलाप, जागू जागू यौ मैथिल संतान ।।
धन्यवाद!!
निवेदक:मिथिला राज्य निर्माण सेना


कोई टिप्पणी नहीं