बोदेवर्साइनके आइगलगीमें दश लाखके मालसामान जरल अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बोदेवर्साइनके आइगलगीमें दश लाखके मालसामान जरल अछि

बोदेवर्साइनके आइगलगीमें दश लाखके मालसामान जरल अछि


✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला, १० असोज । सप्तरीके बोदेवर्साइन गाविसमें रैबदीन राईत आईगलगी भेलमे १० लाख मुल्य बराबरके मालसामान जइल के छाउर भेल अछि ।
बोदेवरसाईन–७ में राधेश्याम पान भण्डारमें आईगलगी भेल ई  मुल्य बराबरके मालसमान जइल के छाउर भेल  । राति करिब ११ बजे विद्युत सर्ट भके अचानक आईगलगी भेल २ टा फ्रिज, १टा टीभी पियैवाल समान पान भण्डारमें विक्रीके लेल राखल सब मालसमान जइल के छाउर भेल सञ्चालक राम गुलाम साहजी जानकारी देने अछि ।
आइग ईलाका प्रहरी कार्यालय वोदे वरसाइनके नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियवासीसबके सहयोगमें डेढ घण्टाबाध बुतैल छेल  ईलाका प्रहरी कार्यालय वोदे वरसाईन जानकारी देने अछि । पसलमें आईगलगी  भेके सरसामासब नष्ट भगेल तब दैनिक गुजरा करै ले सेहो समस्या भरहल पसलधनी साहजी बतेलक ।
साभार न्यूज टुडे

कोई टिप्पणी नहीं