नेपालके प्रधानमन्त्री प्रचण्ड आई सिरहा आरहल प्रचण्डके सुरक्षा केलेल चार सय प्रहरी उपस्थित - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

नेपालके प्रधानमन्त्री प्रचण्ड आई सिरहा आरहल प्रचण्डके सुरक्षा केलेल चार सय प्रहरी उपस्थित

नेपालके प्रधानमन्त्री प्रचण्ड आई सिरहा आरहल  प्रचण्डके सुरक्षा केलेल चार सय प्रहरी उपस्थित

✍अशोक कुमार सहनी
लहान ,सिरहा, २७ गते भदौ । प्रधानमन्त्री आ नेकपा माओवादी केन्द्रके अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल ‘प्रचण्ड’ जनसभा के भाषण करै लेय आई (सोमदिन) सिरहाके मिर्चैया आरहल छै । संबिधानके मस्यौदाऊपर छलफल करैलेय बितल वर्ष यत ऐल टाइम ढोगा-पथर खाइके परल छेल ।
प्रचण्ड भारत जाय सँ पहिले  मधेसके स्थिति बुझ केलेल आरहल  जानकारसब बतारहल अछि । सरकार बनाबैमें मधेसी दलसब सेहो समर्थन रहल तैयो दहाल मधेशी जनताके अवस्था बुझ यत आरहल अछि जानकारसबके अनुमान  रहल अछि । भारत जायस मधेश के जनमत सेहो बुझ चाहै के अनुसार वर्षाके टाइम में ई कार्यक्रमके आयोजना केने  अछि । प्रधानमन्त्री पद में भेलत भारत जाय सँ पहिले अपन निर्वाचन क्षेत्रके जनतासँगे भेट-घाट कके जाय के सोच लके दहाल सिरहा आब लागल जनसभा आयोजक  जानकारी देलक तैयो मधेसके मुड़ बुझ आरहल जानकारसब बतारहल अछि । अखिनी जनसभा करैके तुकै नैरहल जानकारसब  बताबै छै ।


माओवादी केन्द्रके अध्यक्ष आ प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दहाल सिरहा आरहल त यतके सुरक्षा के बेबस्त बहुत कड़ा केने अछि। जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहाके एसपी श्याम ज्ञावाली जी के जानकारी अनुसार प्रचण्डके सुरक्षाके लेल काठमांडौके बिषेश प्रहरी एक गुरुप, क्षेत्रिय प्रहरी कार्यालय बिराटनगरके प्रहरीसब खटेने अछि । और जिल्लामें सब चौकसबमे  सुरक्षाकेलेल  सेहो प्रहरी रखने अछि । प्रचण्डके सुरक्षाकेलेल  चार सयके मोटा मोटि में प्रहरी खटेने छी  एसपी ज्ञवालीले बतोलक । याद हेत, पहिले संबिधानके मस्यौदा ऊपर छलफल करैलेल ऐल प्रचण्डऊपर ओतके आदमीसब ढोगा-पथर सँ सुवागत केने छेल आ बिरोध सेहो ।


पहिले बिरोध केने मिर्चैयावासी दहालके ई बैरी नीक सँ स्वागत करैके तयारीमें छै।  मिर्चैैैया वरपरके सरकारी आ गैरसरकारी संघसंस्था और स्कुलसब ठाम-ठाममें स्वागतगेट बनोलक । प्रधानमन्त्री दहाल भाषण करत जनसभाके तयारी जोर सोर  रुपमें भेल आयोजक समितिके जगत यादव जी बतोलक । ओकर अनुसार जिल्लाके सव क्षेत्रसे बहुत् संख्यामें जनमास उतारै के सब पार्टी कमिटि लगेल छै । कार्यक्रममें प्रदेश नं. २ के सब जिल्ला सँ सहभागी हेत  बतोलक ।



कोई टिप्पणी नहीं