बिला गेलियै यै चाँन हमर,जीवनक गगन सँ
बिला गेलियै यै चाँन हमर,जीवनक गगन सँ
मिट नै सकत अहाँके नाम कहियो ई मन सँ॥
जनमोक नाता क्षणे भरिमे तोडि देलौ किए?
एक-एकटा साँस पुछैय बेर-बेर धड़कन सँ॥
चाहैछी नै देखी फेर ओ भयाओन सुरतिया,
मूदा उतरै नै य' कखनो पियासल नयन सँ॥
ई करेजाक लहुँ ऊ माङ्गक सेनुर बनल रहै,
अहाँक सुहागके भगवान जी राखै जतन सँ॥
'विद्यानन्द' जीबैछै दिलके बढका बना एत',
'राधा' लोग कतौ नम्हर भेल छै कि धन सँ?
__________
© विद्यानन्द वेदर्दी
विराटनगर,मोरङ्ग
» 2073/05/29 (वेरसपति)
कोई टिप्पणी नहीं