कोसी नदीमें नाऊ पल्टल  २२ गोटके बचाएल गेल, २३ गोटे बेपत्ता अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

कोसी नदीमें नाऊ पल्टल  २२ गोटके बचाएल गेल, २३ गोटे बेपत्ता अछि

कोसी नदीमें नाऊ पल्टल  २२ गोटके बचाएल गेल, २३ गोटे बेपत्ता अछि

✍अशोक कुमार सहनी

अपन मिथिला, १ गते असोज । सप्तकोशी नदीमें सैनदिन ११.३० बजे नाऊ पल्टल २३ गोटे हरारहल अछि ।

सुनसरीके प्रकाशपुरसँ ४५  गोटे  यात्रीलके कोशीके दक्षिणदिसा रहल श्रीलङ्का टापुमें जारहल अवस्थामें नाऊ दुर्घटना भेल अछि । दुर्घटनामें परल २२ गोटे यात्रीके सकुशल उद्धार  केलगेल अछि आ और २३ गोटे सम्पर्क सँ बाहर  रहल अछि सुनसरीके प्रहरी उपरीक्षक पोषराज पोखरेल जी जानकारी देलक ।
यत् नाऊ पल्टल के बाध हरारहलके खोजै केलेल  जिल्ला प्रहरी कार्यालय सप्तरी कोसी ब्यारेजमें प्रहरी खटेने  अछि । जिल्ला प्रहरी प्रमुख एसपी भिमप्रसाद ढकालके नेतृत्वमें ५० गोटे प्रहरी हरारहल सबके खोजैकेलेल कोसी ब्यारेज पुगेल अछि ।
एसपी ढकालके अनुसार ब्यारेजमें  आँखिन प्रहरीसब स्थानियके १० टा नाऊ सेहो खोजै और उद्धार कार्यके लेल नदीमें  लेने अछि आ खोजैरहल अछि । नाऊ पल्टलाके बाध हरारहलसब बाईढ़ के साथी कोसी ब्यारेज आबैसकै तैकेलेल ब्यारेजमें खोजैके  काम और उद्धार कार्य जोर केने छि ढकाल जी जनकारी देलक । येता सुनसरी प्रहरी सेहो कोसी ब्यारेजमें खटाल अछि । कोसीके पाइन काबूमें करै केलेल बनल कोसी ब्यारेज सप्तरी आ सुनसरीके सिमामें परै अछि ।

✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं