जनकपुर सँ जलेश्वर भिठ्ठामोड सडक बनाबैके दवाब लेल मानव जञ्जीर (छबि के साथ में) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जनकपुर सँ जलेश्वर भिठ्ठामोड सडक बनाबैके दवाब लेल मानव जञ्जीर (छबि के साथ में)

जनकपुर सँ जलेश्वर भिठ्ठामोड सडक बनाबैके दवाब लेल  मानव जञ्जीर (छबि के साथ में)


✍अशोक कुमार सहनी
जलेश्वर, २७ गते भदौं । देशके विकास करैके काम राज्य के अछि । जनता विकास कदीय से कहैले जरूरी नै परै छै मुदा विश्वमें कतो नै भेल हमर देशमें जनता अधिकारके लेल मात्र नै विकास आ सडक बनाबै केलेल सेहो आन्दोलन करै के बाध्य भेल अछि।


जनकपुर सँ जलेश्वर भिठ्ठामोड तक सडक बनाबैके जनतासब आन्दोलन ने करै केस्थिति ऐल अछि । बेर- बेर उ क्षेत्रके नेतासब मन्त्री भेल तैयो उ सडक खण्डके अवस्था नै नीक छै ।



बर्षाके सिजनमें त उ सडक खण्डमें खालि टाँग सँ जायले बहुत कठिन होइ छै, सवारी साधनसबके की बात करब । राज्य कमजोर भेल आ नेतासबके मन्मनिक शिकार भेल अछि।


जनकपुर सँ जलेश्वर भिठ्ठामोड सडक खण्ड । जनता राज्य ऊपर दवाव दैकेलेल आम आदमी सँ  स्कुलके विद्यार्थीसब सडकके साइडमें ठाहरभके मानव जञ्जीर बनाके तत्काल से सडक खण्ड बनाबैके दवाव देने अछि । भोरके ८ बजे सँ ९ बजे तक मानव जञ्जीर बनाके दवाव देने अछि ।



#अपन_मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं