'राधा' नोर अनेरे झहराबु नै - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

'राधा' नोर अनेरे झहराबु नै

★☆गजल☆★
पियारक एक्सप्रेस ठहराबु नै
कियो किछ बाजए घबराबु नै॥
पुष्प सनक कोमल अधर पर,
देखाओटी मुस्कान खेलाबु नै॥
हेबे करतै जीत अप्पन दुनुके,
आइ वा काल्हि, औगताबु नै॥
वेवस्ता अबैत- जाइत रहैछै,
भरोसक पर्दा एना गिराबु नै॥
ल' जेत जगसँ दूर 'विद्यानन्द'
'राधा' नोर अनेरे झहराबु नै॥
© ✍विद्यानन्द वेदर्दी
   

कोई टिप्पणी नहीं