मोरङ जिल्ला में होस्टेल मालिकके विभत्स हत्या भेल छै बोरा में भेटल लाश
मोरङ जिल्ला में होस्टेल मालिकके विभत्स हत्या भेल छै
अपन मिथिला, विराटनगर २१ भदौ गते।
विराटनगरमें एक होस्टेल मालिक के विभत्स
रुपमें हत्या कके बोरामें लाश भेटल अछि ।
विराटनगर–१३ में तिनटोलिया अक्सफोर्ड होस्टल चलारहल २१ वर्षीके विजय यादवके विभत्स हत्या भेल प्रहरी जानकारी देलक ।
प्रहरीके अनुसार बड़का धरगर हतियार प्रयोग कके मरैबला मारने अछि । शरीर, मुरी आ दुनु टाँग काइट के अलग कके मारने छेल ।
बिराटनगरमें विभत्स मौत भेल लाश के पहिचान भेल
विराटनगर–१३ शान्तिचोकमें ओमकार श्रेष्ठके घरमें बिभत्स रुपमें हत्या केल गेल लाश के पहिचान भेल अछि।
श्रेष्ठके घरमें भेटल लाश विराटनगरके तीनटोलियाके सिद्धार्थ मार्गमें अक्सफोर्ड ब्वाइज होस्टलमें काम करैत आबैरहल सुनसरी औरावनी–५ के विनोद यादवके छै से प्रहरी पुष्टि केने अछि। श्रेष्ठके घरमें भदौ १५ गतेसँ सिरहाके २० वर्षीके राकेशकुमार यादव, १९ वर्षके सरोज यादव आ कृष्ण यादव, सप्तरीके १८ वर्षीके जितेन्द्र साह और १३ वर्षके मनोजकुमार साह भाडा में रहै छेल ।
मौत भेल यादव काल्हिसाँझ ओकराऔरके साथ घर में पाटी खइले गेल प्रहरीके सुरुवती अनुसन्धान भेल अछि । यादवके हत्या भेल प्रारम्भिक अनुसन्धानसँ पुष्टि भेल अछि । मोरङके प्रहरी प्रमुख एसपी सन्दीप भण्डारीके अनुसार हत्याके कारण अखून नै खुलल छै ।
श्रेष्ठके घरमें रहल १३ वर्षीके मनोजकुमार साह बाहेक और ४ गोट भाईग गेल अछि । ओकरा सब १३ वर्षीके मनोजके रुम में बन्द कके भागल से बात ऐल छै ।
मनोजकेप्रहरी पकड़ने अछि। १३ वर्षीके मनोज प्रहरीके कहलक हमरा काल्हि राइत के रूम में बैसके पढ कहै के उसव खानपिनमें बैसल छेल । शव पोष्टमार्टमकालेल प्रहरी बीपी कोइराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानमें भेजने अछि । मृतकके मुरी आ घुटना सँ निचा के भाग बोरामें छेल से अवस्थामें भेटल अछि आ शरीर सिरक में बेर के राखल अवस्थामें भेटल छेल।
आ घटना भेल रूम में दारूके बोतल आ तास के गड़ी भेल से प्रहरी जानकारी देलक।
फोटो , विजय यादव के फेसबुक सँ
कोई टिप्पणी नहीं