महन्थ ठाकुरके घरमें डकैती, प्रतिकार केलक त बेटी भेल घायल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

महन्थ ठाकुरके घरमें डकैती, प्रतिकार केलक त बेटी भेल घायल

महन्थ ठाकुरके घरमें डकैती, प्रतिकार केलक त बेटी भेल घायल

अध्यक्ष ठाकुर जी प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारके बैठकमें  छेल

भाद्र २४, २०७३- भक्तपुरके सानोठिमी तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टीके अध्यक्ष महन्थ ठाकुरके निवासमें डकैती भेल अछि।

शुक्रदिन साँझ ७ बैजके २५ मिनेटमें नकावलगेने एक गोटे ठाकुर जी के बेटी डा. मीनाक्षी आ घरमें काम करैवला कामदार रमेश यादवके अपन अधिनमे लके  लुटपाट केने छेल भक्तपुर प्रहरी प्रमुख एसपी किरण बज्राचार्य जानकारी देलक।

प्रतिकारमें डा. मीनाक्षी घायल भेल छै । छुरा प्रहारसे ओकरा मुड़ी आ हातमें चोट लागल अछि । ओकरा इलाज केलेल  एभरेस्ट अस्पताल भर्ना केने छेल । आँखिन एमआरआईके लेल ग्रान्डी अस्पताल लगेल अछि ।

प्रहरीके अनुसार लुटेरा एकटा ब्रिफकेस (सूटकेस) लके भागल अछि ।

अध्यक्ष ठाकुर जी प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमें बैठकमें छेल। बैठक बसिरहल टाइम में घटनाके सूचना भेल त उपप्रधान एबं गृहमन्त्री विमलेन्द्र निधिसँगै एकेटा गाडीमें अस्पताल पुगल छेल ।

✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं