ममताके आँचर ओढाक' हे मैया - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

ममताके आँचर ओढाक' हे मैया

ममताके आँचर ओढाक' हे मैया ।
कोरामे हमरा उठाक' हे मैया ।।
बेटाकेँ अपन दुलार करु मा ।
की हमरो उद्धार करु मा ।

अहाँ कात्यायनी अहाँ वरदायनी ।
कष्ट सभक हरी मा सुखदायनी ।।
बाट सुप्पत धराक' । नेह आखर पढाक' ।।
कने हमरो पर अहाँ विचार करु मा ।

घीकेँ दियरिसँ हम साँझ देखबति छी ।
फूल अरहूलकेँ नीत लाल चढबति छी ।।
माथ अपन झुकाक' । भवानी गोहराक' ।।
नव उत्साह उमंग नव संचार करु मा ।

हम बालक अबोध परम अज्ञानी छी ।
अहाँ काली गौड़ी अहाँ  शिवानी छी ।।
गलती सभटा बिसराक' ।हमरा करेजा सटाक' ।
अवगुणसँ भरल छी तैयो स्वीकार करु मा ।

~> ✍मैथिल प्रशान्त
  दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

कोई टिप्पणी नहीं