सपना देखैछी हम राइत दिन अहांके - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सपना देखैछी हम राइत दिन अहांके

सपना देखैछी हम राइत दिन अहांके।
अटूट यै बंधन कोना कहू आन अहांके।।

अहीं हमर दिलक रानी प्रेम कहानी छी।
खूदा सलामत राखे जिनगी जान अहांके।।

अहीक तस्वीर छपल छै याद के पन्ना प।
कोना सूनाउ हम दिलक दास्तान अहांके।।

अहीं छी बाट हमर अहीं मंजिल हमर।
अर्पन केलौं हम अपन ई प्राण अहांके।।

आशिकी सँ अहां अखैन धैर छी अनजान।
आउ करादैछी "सत्या" सs पहचान अहांके।।

® सत्या यादव(सरोज)
हाल :- मलेशिया

कोई टिप्पणी नहीं