।। सामा-चकेबा खेलू बहिना ।।
।। सामा-चकेबा खेलू बहिना ।।
✍बिन्देश्वर ठाकुर
भरि साल ओ रहली सासुर
नैहर आब बजाबू
एलै देखियौ खरनाके दिन
सामा चलू बनाबू
छोटकी बहिनो हंस बनाबू
जेठकी दिदी चकेबा
हम बनाबी ढोलकियासब
भौजी बनबू चुगला
एलै केहन सोहाबन रतिया
चकमक करै चंगेरा
ताँहिपर चारुदिस पसरल
सामा दाइके डेरा
गैयौ सबकिओ गीत गोसाओन
करियौ श्री गणेश
भैया जिता' सालो-साल
करथिन् कृपा महेश
सामा-चकेबा खेलू बहिना
नीक गीतसब गाबू
भैया घर हो अनधन सोना
चुगलाके मुंह झरकाबू
लेखक :✍ बिन्देश्वर ठाकुर
जनकपुर धाम, धनुषा ( नेपाल )
हाल : दोहा, कतार
✍बिन्देश्वर ठाकुर
भरि साल ओ रहली सासुर
नैहर आब बजाबू
एलै देखियौ खरनाके दिन
सामा चलू बनाबू
छोटकी बहिनो हंस बनाबू
जेठकी दिदी चकेबा
हम बनाबी ढोलकियासब
भौजी बनबू चुगला
एलै केहन सोहाबन रतिया
चकमक करै चंगेरा
ताँहिपर चारुदिस पसरल
सामा दाइके डेरा
गैयौ सबकिओ गीत गोसाओन
करियौ श्री गणेश
भैया जिता' सालो-साल
करथिन् कृपा महेश
सामा-चकेबा खेलू बहिना
नीक गीतसब गाबू
भैया घर हो अनधन सोना
चुगलाके मुंह झरकाबू
लेखक :✍ बिन्देश्वर ठाकुर
जनकपुर धाम, धनुषा ( नेपाल )
हाल : दोहा, कतार

कोई टिप्पणी नहीं