कोच सन्थल नाच आ जात्रा बाजार......(फोटो के साथ में) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

कोच सन्थल नाच आ जात्रा बाजार......(फोटो के साथ में)

कोच सन्थल नाच आ जात्रा बाजार......


✍अशोक कुमार सहनी
अपनमिथिला । कोचिलामें दसहरा मेलासबके प्रमुख आकर्षण अल्पसंख्यक कोच सन्थाल जातीसबके परंपरागत सामहुसबमे नृत्य होइत अछि ! ई नृत्य समुहसबके आकर्षित करै ले आय काल्हि मेला समितिके आम्दानी अनुसार पुरस्कार के राषि बढा के कोचिला भर में रहल सन्थाली नृत्य टोलीसबके आमन्त्रण करै छै! दसहरा सँ दसहरा मेला तक लगैत आबै रहल कोच आदिवासीसबके जात्रा बाजारके रौनख एही सन्थाली नृत्यसब अछि!

 जात्रा बाजारमें नृत्यसब प्रस्तुत करै सँ पहिले सब परिवार सब कुछ हप्त कोच सन्थाल कलाकारसब(सपरिवार सहित) नृत्यके पुर्वाभ्यास करैत अछि! झापामें सब से बेशी सन्थाल नृत्य टोली फुलबारी मेलामें देखल जासकै छि।और चारआली, गारामनी, घैलाडुब्बा, डांगिबारी, राजगढ, गौरिगंज, झापा बजार, बनियानी, शरणामती, शिवगंज, पाराखुपी, हल्दीवारि, भद्रपुर, बगान और पुराना कोच आदिवासी बजारसबमें जात्रा बाजार करै ले आबै के बहुत बड़ा भीड़ आगैत रहैय !!

कुछ बर्ष यत झापाके घैलाडुब्बा आ डागिबारी गाबिससे सटल लखरीगद्दी चोकमें सेहो जात्रा बाजार लाइग रहल अछि जैमे स्थानिय युवासबके अगुवाईमें आर्थिक संकलन कके प्रत्येक वर्ष प्रथम ,दोसर आ तेसर होइवाला सन्थाल नृत्य टोलीके आकर्षक रकम पुरस्कार स्वरुप दैत आरहल अछि !

ओहिने मोरङके डाईनिया, टकुवा, रंगेली, झुरकिया, ई सब ठाम में  कोच आदिवासी बजारसब बहुत  संख्यामें जात्रा बाजार करै के भिड रहै छै! जात्रा बाजार जत लागै ओत परंम्परागत सन्थाल नृत्यसब तामझाम आ बाजागाजा बिनाके यी बाजारसब सफल भेल से नै कहि सकै छि! सब सालजेक योहो बेर सेहो कोचआदिवासी युवा ,युवतीसब, सबपरिवार,अपन अपनैति, नातेदार, साथीभाइ भेटै के योजनामें झापा मोरङ आ सुनसरीमें लागल जात्रा बाजारसब तक पुगब से योजना बना चुकल अछि!

परंपरागत सन्थाल नृत्यसब मेला आ बहुत कार्यक्रमसबमें मनोरञ्जनके साधनके रुपमें मात्र नै लके राज्यके तर्फसे संरक्षण आ प्रवर्द्धन करपरत से देखैमें आबै य। नै त सन्थाल जातीके सांस्कृति संगे परंरागत जात्रा बाजारसब हरा जेत !!


कोच सन्थालसबके जनसंख्या झापामें २३१७२ आ मोरङमा १६३८७ रहल अछि ओहिने भारत आ बंगलादेशमें मिलाके ५२ लाखके मोटा मोटि में रहल पछिला तथ्यांकसे देखा रहल अछि!!



जोहार जोहार!
बन्दगी
जात्रा पाबनिर शुभकामना।।।।।।

✍अशोक कुमार सहनी
लहान ४ रघुनाथपुर
हॉल (दोहा क़तार)

कोई टिप्पणी नहीं