बिसरल बात सब हमरा आद नै दियाउ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बिसरल बात सब हमरा आद नै दियाउ

बिसरल बात सब हमरा आद नै दियाउ
कोमल नयन में नोर के सुवाद नै दियाउ

✍सूरज कुमार प्रीतम जी



कनैत कनैत हमरा जानम के आँईंख भखरल होतै!
हमरा आदे में उ अपन प्राण त्याग पर उतरल होतै!!

कोमल  अजरा  पजरा बिछान  पर होतै  पिटैएत !
हमरा  जानम के  सख्ख  श़ृंगार  सब  उजरल होतै!!

बेचैन  भके एक पल के साँस  लैत होतै चौखट पर!
हाथ में लके  फोटो हमर  सोँच फिक्र में परल होतै!!

लेस्राईंत  होतै   वोकर नैना कजरारी पूर्वा बयरिया में!
वोकरा दिल के नयना में नोर के सोनित स भरल होतै!!

हमरे नाम के होतै खोंसैएत चिठ्ठी लिख के टटि फर्कि में!
कुहकैएत होतै जानम के करेजा जखन हियो डरल होतै!!

✍सुरज कुमार प्रीतम जी
सिनुरजोडा़ ७ धनुषा
 हाल - ( मलेशिया)

कोई टिप्पणी नहीं