आहा नीन स जगा किया देलियै ? ? - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

आहा नीन स जगा किया देलियै ? ?

आहा नीन स जगा किया देलियै ? ?




✍ रोशन मिश्रा 
कतेक सुन्नर सपना देखैत छलौह
आहा नीन स जगा किया देलियै ? ?
कतेक सुन्नर आजाद पंक्षी रही हम
अपन दिलक के पिंजरा में बैसा क
एखन हमरा भगा किया देलियै ? ?
हम नय छी आहा जोगरक
ई हम खूब नीक स बुझैत छी
एक टा बेकसूर के एहन सजा किया देलियै ? ?
आब नफरत भ गेलै हमरा
अपन जिनगी केर नाम स
एक टा सच्चा प्रेमी किया दगा देलियै ? ?
आब त पंख कटि चुकल
नहि उड़ि सकब हम
अपन प्रीतक पिंजरा स किया भगा देलियै ? ?
एना मुस्की चौवनिया द
हमर जान लेबै की ? ?
हमर हँसी चुरा क किया कना देलियै ? ?
कतेक सुन्नर . . . . . . . . . . . .
आहा नीन स किया . 

✍ रोशन मिश्रा

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷






✔🌷🌷🌷🌷




कोई टिप्पणी नहीं