हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ

हेरायम सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ 


✒✍किसलय कृष्ण

मांगी नइ हम जे सुरूज की चान द' दिअ ।
हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ ।

चाही नइ ग्लोबल वा त्लोबल जेना कोनो गाम,
कने अंगना- दलान संग मचान द'  दिअ ।
हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ ।

सुआद ओ कहाँ छै एहि पेटीस आ पिज्जामे,
बरु अल्हुए सही तिरहुतिया सम्मान द' दिअ ।
हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ ।

दिल दिल्ली चोरौलक आ पसेना पैनजाब ,
छै ठोर फुफरी पड़ल कने पान  द'  दिअ ।
हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ ।

किसलय कोना क' बचाबी माटि- पानि ,
मिसिये भरि मोन मे स्वाभिमान  द'  दिअ ।
हेरायल सन हमर मैथिल पहिचान द' दिअ ।
लेखकः किसलय कृष्ण जी

लेखकः✍किसलय कृष्ण


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷





🌷🌷🌷🌷🌷🌷




✔✔🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं