मोनक बात मोनेमे रहि गेल (प्रीति गीत)
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
( प्रीति गीत )
शिव कुमार झा टिल्लू
**************************************
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
कतबो उपछलहुँ ने बाहर भेल !
कतेक दिवस धरि आश संवारल
कहि ने सकल छल हीया हारल
हम दाबलहुँ दोसर कहि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
सपन संजोगल भेल निरर्थक
एहन पिरीत कहू कोन अर्थक
बिनु फूटल भीतरे बहि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
नीतिक संग युगाधिक बीतल
प्रेमांकुरसँ भोग ने तीतल
उसनैत रीति कोना सहि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
बूझिने सकलहुँ प्राण पिपासा
पढ़िने पयलहुँ नेहक भाषा
बिनु लागनि अपने महि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
गीतकार :-✍शिव कुमार झा "टिल्लू"
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
✔✔✔🚩
🚩🚩🚩✔
( प्रीति गीत )
शिव कुमार झा टिल्लू
**************************************
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
कतबो उपछलहुँ ने बाहर भेल !
कतेक दिवस धरि आश संवारल
कहि ने सकल छल हीया हारल
हम दाबलहुँ दोसर कहि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
सपन संजोगल भेल निरर्थक
एहन पिरीत कहू कोन अर्थक
बिनु फूटल भीतरे बहि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
नीतिक संग युगाधिक बीतल
प्रेमांकुरसँ भोग ने तीतल
उसनैत रीति कोना सहि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
बूझिने सकलहुँ प्राण पिपासा
पढ़िने पयलहुँ नेहक भाषा
बिनु लागनि अपने महि गेल
मोनक बात मोनेमे रहि गेल !!
गीतकार :-✍शिव कुमार झा "टिल्लू"
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
✔✔✔🚩
🚩🚩🚩✔

कोई टिप्पणी नहीं