मिथिलानगरीमे महामहिम मुखर्जी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मिथिलानगरीमे महामहिम मुखर्जी

मिथिलानगरीमे महामहिम मुखर्जी
जनकी मन्दिर


अपन मिथिला,जनकपुर / अन्ततः जनकपुरवासीकऽ इच्छा पुरा होइबाक समय आबिऽ गेल । काल्हि भारतक राष्ट्रपति प्रणव मुखर्जी जनकपुर आबिऽ रहल छैथ । राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारीक निमन्त्रणमे तीन दिनके लेल नेपाल भ्रमणके क्रममे काल्हि राष्ट्रपति मुखर्जी काठमांडू एलाइथ । पिछला वर्ष भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीके जनकपुर भ्रमण राजनीतिक कारण सँ रद्द भऽ गेल आ ताहिके बाद सँ जनकपुरवासी निराश भऽ गेल छलाइथ । राष्ट्रपति मुखर्जीक जनकपुर भ्रमण आ निराशाके अन्त करैमे सम्भवतः सफल हेताह ।


 एखन तकके कार्यक्रमक अनुसार राष्ट्रपति मुखर्जी धार्मिक नगरी जनकपुर स्थित जानकी मन्दिरमे पूजापाठ करताह । ताहिके बाद राष्ट्रपति मुखर्जी नागरिक अभिनन्दन समारोहमे सहभागी हेताह आ ओहि दिन राष्ट्रपति मुखर्जी काठमांडू वापस भऽजेताह ।
सन १९३५ दिसम्बर ११ तारिख, आ एखनके पश्चिम बंगालक बीरभुम जिलाक मिराती स्थित बंगाली ब्राहमण परिवारमे प्रणव मुखर्जीक जन्म भेल छल । कलकत्ता विश्व विद्यालयसँ ओ राजनीतिक शास्त्र एवं इतिहास विषयमे स्नातकोत्तर केने छैथ । ताहिके अलावा कानूनमे एलएलबी सेहो केने छाइथ । राजनीतिमे सक्रिय रुपमे आबैऽ सँ पहिने ओ विद्यासागर कॉलेजमे राजनीतिक शास्त्रक प्राध्यापक सेहो छलाइथ ।


सन १९५७ मे सुब्र मुखर्जी सँ हुनकर विवाह भेलइन आ हुनकर श्रमिष्ठा, अभिजित आ इन्द्रजीत तीन टा सन्तान छन्हि । सन १९६९ मे ओ पहिल बेर राज्य सभाके सदस्य भेल छलाह आ तकरा बाद ओ लगातार काँग्रेस राजनीतिमे लागल रहलाह । राष्ट्रपति होइ सँ पहिने ओ भारत सरकारके केन्द्रिय वित्त मन्त्री, रक्षा मन्त्री,परराष्ट्र मन्त्री आ योजना आयोगके उपाध्यक्ष रैह चुकल छाइथ ।


भारतके इ महान नेताके जनकपुर भ्रमण बहुत महत्व राखैत अछि । एखन तक भारत या अन्य कोनो देशक उच्च स्तरिय भ्रमण काठमाडु तक मात्र सीमित रहि जाइत छल । लेकिन राष्ट्रपति मुखर्जीक जनकपुर भ्रमण सँ जनकपुरक चर्चा अन्तर्राष्ट्रिय स्तर पर भऽ रहल अछि । संग ही नेपालक मतलब मात्र काठमांडू या पशुपतिनाथे टा नई नेपालमे जनकपुर सेहो अछि इ सूचना अन्तराष्ट्रिय स्तर पर भऽ रहल अछि । निः सन्देह तराई मधेशक लेल इ गौरवक बात छी । राष्ट्रपति मुखर्जीक भ्रमण पूर्ण रुपेण सफल बनेनाई हमर अहाँ सबहक कर्तब्य छी ।




🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट:- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

✔✔✔❤
❤✔

कोई टिप्पणी नहीं