पुरबैया ( प्रोषित पतिका गीत )
पुरबैया ( प्रोषित पतिका गीत )
✔👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
************************************
प्रियतम मोरङ्ग गेलथि सुन्न भेल गाम आहेराम
सुन्न भेल गाम कोना एकसरि रहबै ना
राम नैहरे चलि' जेबै किए' विरहा सहबै ना !
कोनधन पेलथि रामा छोड़लनि गाम आहेराम
छोड़लनि ठाम दुःख ककरा कहबै ना
राम नैहरे चलि' जेबै किए' विरहा सहबै ना !!
(एकदिश नेनपन बजबै दोसरमे विरहा लजबै ) २
एकदिश नेनपन बजबै सजनाके मारल आहेराम
साजन के मारल आब सासुरमे ने रहबै ना
रामा कोल्हूके' बरद सन हम कते' दिन बहबै ना !!
(मधुमास बापकघर सखी सेहो एलथि नैहर ) २
मधुमास पुरनाधाम मायघर आराम आहेराम
मायघर आराम हँसिहँसिक' रहसबै ना
रामा मिथिलाके बेटी नहि कतहु बहसबै ना !!
(सुनु सुनु हे मन खुशी सन ने कोनो धन ) २
सुनु सुनु हे शिव घुरब ने धरफर आहेराम
घुरबने धरफर प्रेम वसंतेमे महबै ना
रामा विरहाके विपदा एखन फोनपर कहबै ना !!
गीतकार✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
❤❤❤❤❤
❤❤❤🔵🔵🔵
✔👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
************************************
प्रियतम मोरङ्ग गेलथि सुन्न भेल गाम आहेराम
सुन्न भेल गाम कोना एकसरि रहबै ना
राम नैहरे चलि' जेबै किए' विरहा सहबै ना !
कोनधन पेलथि रामा छोड़लनि गाम आहेराम
छोड़लनि ठाम दुःख ककरा कहबै ना
राम नैहरे चलि' जेबै किए' विरहा सहबै ना !!
(एकदिश नेनपन बजबै दोसरमे विरहा लजबै ) २
एकदिश नेनपन बजबै सजनाके मारल आहेराम
साजन के मारल आब सासुरमे ने रहबै ना
रामा कोल्हूके' बरद सन हम कते' दिन बहबै ना !!
(मधुमास बापकघर सखी सेहो एलथि नैहर ) २
मधुमास पुरनाधाम मायघर आराम आहेराम
मायघर आराम हँसिहँसिक' रहसबै ना
रामा मिथिलाके बेटी नहि कतहु बहसबै ना !!
(सुनु सुनु हे मन खुशी सन ने कोनो धन ) २
सुनु सुनु हे शिव घुरब ने धरफर आहेराम
घुरबने धरफर प्रेम वसंतेमे महबै ना
रामा विरहाके विपदा एखन फोनपर कहबै ना !!
गीतकार✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋✋
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
❤❤❤❤❤
❤❤❤🔵🔵🔵

कोई टिप्पणी नहीं