धीरेन्द्र प्रेमर्षि भेलाह सरस्वती-राजनारायण कला पुरस्कार सँ सम्मानित - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

धीरेन्द्र प्रेमर्षि भेलाह सरस्वती-राजनारायण कला पुरस्कार सँ सम्मानित

धीरेन्द्र प्रेमर्षि भेलाह सरस्वती-राजनारायण कला पुरस्कार सँ सम्मानित 


अपन मिथिला। मंगलदिन जनकपुरमे श्री रामानन्द युवा क्लवक 31’म वार्षिकोत्सवक अवसरपर सरस्वती राजनारायण प्रतिष्ठानक दिस सँ स्थापित पुरस्कार 2072 सालक लेल धीरेन्द्र प्रेमर्षि के देल गेल, संगहि 2073 सालक ई पुरस्कार बुच्ची (प्रियंका) केँ देल गेलन्हि। ओतहि क्लवक दिस सँ स्थापित विद्यापति पुरस्कार डा. सुरेन्द्र लाभ आ श्यामसुन्दर शशिकेँ भेटलनि।
पुरस्कार प्राप्तिक बाद धीरेन्द्र प्रेमर्षि कहलनि जे, जनकपुर मे ई पुरस्कार भेटबकेँ हम अप्पन पूर्व प्राप्त सम्पूर्ण सम्मान-पुरस्कारक अनुमोदन मानैत छी, संगहि अन्य पुरस्कार प्राप्तकर्ताक संग अहि पुरस्कार के भेटनाइ हमरा लेल गौरवक विषय अछि।
मैथिलीक लोकप्रिय संगीतकार तथा गायक धीरेन्द्र प्रेमर्षि अहि पुरस्कारक लेल लेल जीवनाथ चौधरी सहित रामानन्द क्लवक सम्पूर्ण टीमकेँ धन्यवाद देलन्हि, संगहि अन्य पुरस्कारसभक व्यक्तित्व एवं कृतित्वकेँ देखैत हुनकासभक संग पुरस्कृत भेनाइकेँ सेहो ओ गौरवक बात मानलनि।
मैथिलीमे आब यथेष्ट पुरस्कार स्थापित भऽ चुकल चर्चा करैत ओ कहलनि जे सम्मान-पुरस्कार आदिक सन्दर्भमे पुरस्कार देनिहारक चरित्र, परसऽ वला बारिक, पतियानीमे केहन लोकक संग बैसाओल गेल अछि सेहो बड अर्थ रखैत अछि आ एहि सभ दृष्टिएँ ई पुरस्कार गरिमामय बनल अछि। ओहि अवसरपर प्रेमर्षि कहलनि जे पुरस्कृत व्यक्तिकेँ पुरस्कारक मान राखब जतबए जरूरी ओतबए पुरस्कार देनिहार संस्थाकेँ सेहो पुरस्कारक प्रतिष्ठा कायम राखब जरूरी अछि।
खबैर साभार :- मिथिला मिरर सँ

❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤




❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं