जमुना तटमे ( गीत )
जमुना तटमे ( गीत )
✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
*********************
छनन छन बाजल जमुना तटमे
नुपुर पद साजल एहि पनघटमे !
अचके धुनक सुनल आरोहन
चौङ्कि चलल प्रेयस मनमोहन
झटकि हरि दौगल मन संकटमे !
नटराजक तांडव सन मेखल
नाचथि राधा कृष्णा देखल
सजलि ठुमकथि सखी वंशीवटमे !
धीर भेलनि हरिके' स्पंदन
नाचि रहल छथि नन्दक नंदन
धेलथि रूप जानी हरि झटपटमे !
तेँ भेलहुँ सोलहगुण धारक
चरवाहा असुरी उद्धारक
खने मोन भरमल प्रेमक पथमे !
गीतकार ✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
🌻🌻🌻
✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
*********************
छनन छन बाजल जमुना तटमे
नुपुर पद साजल एहि पनघटमे !
अचके धुनक सुनल आरोहन
चौङ्कि चलल प्रेयस मनमोहन
झटकि हरि दौगल मन संकटमे !
नटराजक तांडव सन मेखल
नाचथि राधा कृष्णा देखल
सजलि ठुमकथि सखी वंशीवटमे !
धीर भेलनि हरिके' स्पंदन
नाचि रहल छथि नन्दक नंदन
धेलथि रूप जानी हरि झटपटमे !
तेँ भेलहुँ सोलहगुण धारक
चरवाहा असुरी उद्धारक
खने मोन भरमल प्रेमक पथमे !
गीतकार ✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
🌻🌻🌻

कोई टिप्पणी नहीं