संकल्प --एकमात्र विकल्प - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

संकल्प --एकमात्र विकल्प

नव बरख 2017 ई . हार्दिक शुभकामनाक संग 

                   संकल्प --एकमात्र विकल्प 
कवि✍मैथिल प्रशान्त जी
✍👤मौथिल प्रशान्त जी

जेना जेना गढैत गेल 
गढाइत गेलहुँ हम सभ 
आ आब 
अपन संततिकेँ सेहो गढि रहल छी 
ओकरे वांछित - ओकरे इच्छा अनुरूप 
एकटा भूगोल देलक 
क्षेत्रफलमे पैघ 
मुदा ओछ मानसिकताक 
आ अपने सभ 
भाँग खा मातल रहलहुँ 
सिखबैत रहलहुँ 
फ्रेंच, जर्मन , अंग्रेजी जानिने कोन कोन भाखा 
आ बिसारैत गेलहुँ 
बिसराबति गेलहुँ अपन मायक बोल 
यद्यपि सभ भाखा सिखबामे 
अवरोध नहि छली मैथिली 
मुदा नहु नहु 
ई आत्मबोध जे हम छी मैथिल 
हमर जन्म भूमि अछि मिथिला 
फराक अछि संस्कृति - संस्कार 
पूजा पाठ आहार बेहबार 
नहि मोन रहल 
जे कतौ रही -- दिल्ली ,मुम्बई ,कतर आ की लंदन 
मोनमे  जियाक' राखी अपन मैथिलत्व ।

~>✍👤 मैथिल प्रशान्त 
  दुर्गौली, बेनीपट्टी ।



❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤🌻❤❤❤❤❤❤❤❤





❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं