कहु हम फ़ुइस बजै छी ? - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

कहु हम फ़ुइस बजै छी ?

कहु हम फ़ुइस बजै छी ?
✍👤राजीव कर्ण 

**************************
नैन  सँ   नैन  मिलै  जखन
तँ  धडकै हिया  बेजोड़
कहु हम  फ़ुइस  बजै छी?

अंग  अंग  हिल जाय तखन
जँ   मारै   मुस्की   ठोर
कहु हम  फ़ुइस बजै छी?

चाइल चलैथ लहराईत मगन
तँ  मारै   मोन  हिलोर
कहु हम फ़ुइस बजै छी?

नजर  उठाबैथ  कनि जखन
तँ  क  दै  छैथ  बिभोर
कहु हम फ़ुइस बजै छी?

खोलैथ  अप्पन  केश जखन
तँ  बरसै  घन  घनघोर
कहु हम फ़ुइस बजै छी?

रहय  अन्हार   मुदा   जखन  
तँ  क  दै  छैथ  इजोर
कहु हम फ़ुइस बजै छी?

सुनि  जँ  कोनो  बात जखन
तँ हुनके चर्चा चहुओर
कहु हम फ़ुइस बजै छी?
***************************
लेखकः✍👤राजीव कर्ण
राजनगर ,चिचरि, मधुवनी



🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤




❤❤❤❤❤❤❤❤❤


✋✋✋

कोई टिप्पणी नहीं