✋दहेज प्रथा✋ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

✋दहेज प्रथा✋

✋दहेज प्रथा✋
गायत्री सिंह
✍👩गायत्री सिंह

आगिमे जरैत बेटिके देख
बाबू माईके फटैय करेज यौ,
अन्तकरु समाजक अगुवा
ई बैरी प्रथा दहेज यौ।
गायत्री सिंह

नितदिन झेलैत आइब रहल छै
आगि मे बेटि जरि रहल छै,
बेटा बेटि मे अन्तर करैछै
करैछै किया विभेद यौ?
अन्तकरु समाजक अगुवा
ई बैरी प्रथा दहेज यौ।
✍गायत्री सिंह

मिथिला सन पावन धर्ती पर
नारीके रचित ई शृस्ती पर,
दहेजक सदखन गाछ रोपैछै
करैछै किया मतभेद यौ?
अन्तकरु समाजक अगुवा
ई बैरी प्रथा दहेज यौ
ई बैरी प्रथा दहेज यौ।।

✍👩 गायत्री सिंह
लहान ,सिरहा ( नेपाल)


#######################
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
##########$$$$$$$$$$$$$$$$$$##$




🌷🌷🌷🌷🌷🌷


🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं