जनकपुर में मैथिली काव्य गोष्ठी सम्पन्न भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जनकपुर में मैथिली काव्य गोष्ठी सम्पन्न भेल

जनकपुर में मैथिली काव्य गोष्ठी सम्पन्न भेल


✍👤राम सोगारथ यादब, जनकपुर अपन मिथिला।
"हमरा सभहक प्रेर्णा,मातृभाषाक जगेरणा"
मुल नारा कऽ संग कतारक मारुभुमिमे संचालित साँझक चौपाडिपर'काव्य संध्याकें सौजन्यमे अगहन २० गते जनकपुर धामक भुतनाथ मंदिरके प्रङ्गनमे मैथिली काव्य गोष्ठी सम्पन्न भेल ।
कार्यक्रमक मुख्य अतिथि रुपमे हेल्लो मिथिलाक संञ्चालक तथा मैथिलक प्रेरणादायक हँस्ती आदरणीय  धिरेन्द्र प्रेमर्षी जी छल्खिन।


अहि कार्यक्रमक संयोजक कवि अब्दुर रज्जाक, राम सोगारथ यादव,प्रणव कान्त जी छलहा ।
कार्यक्रम सुरुवातक पहिल चरणमे अपन अपन परिचय देने छल्खिन । दोसर चरणमे कतारसँ बहरायल परदेसी आखरके अंक-२ पर चर्चा भेल छल ।
तहिना कार्यक्रमक तेसर चरणमे गायक राजेश यादव अपन मधुर स्वरमे स्वागत गीत गा सभगोटेके स्वागत कैने छल । मनिष कर्ण,मनिष राय, दिनेश यादव,प्रणव कान्त जी दुवरा कविता बाँचन कैल गेल छल तँ कवि राम सोगारथ यादव जी "हे युवा उठु"  शिर्षक कविता बाँचनक उपस्थित युवा तथा स्रोता सभके मन जितने छल । तहिना कवि अब्दुर रज्जाक समसामयिक राजनीतिसँ जुडल कता आ श्रीङ्गारिक गजल बाँचन क सभगोटेके मन मुगद क'देने छल ।


संगही गीतकार अर्जुन झा अपन रचल गीत गा एकटा नव सर्जककेर परिचय करौने छल ।
तहिना मैथिली साहित्यसँ अति लगाब रखनिहार श्रोता सभमेसँ कतारक साँझक चौपाडिक सहियात्री आदरणीय राम उदगार जीक उपस्थिति देख समुचा सर्जक सभके मनोवल बडल छल तँ आरो बिशेष श्रोता सभमेसँ कृष्ण ठाकुरकेर उपस्तिथि छल ।
समग्रमे कहितँ कार्यक्रम जय जय रहल ।

🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷





🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं