ओ नव संविधान चाहिँ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

ओ नव संविधान चाहिँ

******ओ नव संविधान चाहिँ********

✍👩गायत्री सिंह

हमछी मधेसी आ हमर 
हरायल पहिचान चाहिँ
अधिकार शुनिश्चित हमर
ओ नव संविधान चाहिँ 

बन्दहड्ताल के कारण 
भेल देशक बहुतो क्षति
मोउन छथी तैयो किया
प्रधानमन्त्री आ राष्ट्रपती
देशक कुर्सी कऽ आबो
सहि सच्चा हकदार चाहि
अधिकार सुनिश्चित हमर
ओ नव संविधान चाहिँ

कहैत अछि सभासद नहि देव
मधेसी के अधिकार कहियो
करब दमन क सङ हुनका
उपर अत्याचार जहियो
पहाडी आ मधेसी कऽ
आबो हक सम्मान चाहिँ
अधिकार सुनिश्चित हमर
ओ नव संविधान चाहि

उठु जागु यै युवा करु
देशद्रोही सबहक संहार
अखनो भुलायल स्वार्थ मे 
नेपालक मर्मियाह सरकार
सहिद सबहक बलिदान के
आब एक एक हिसाब चाहि
अधिकार सुनिश्चित हमर
ओ नव संविधान चाहि

..✍👩गायत्री सिंह
लहान 


🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻





कोई टिप्पणी नहीं