कचकैए_मोन_हमर
#कचकैए_मोन_हमर
✍👤मैथिल प्रशान्त
अछि तोरासँ हमरा प्रीत कते नोर गवाही द' देलकै
शीते कानल राति भरि चन्ना भोर गवाही द' देलकै
अनकर खेती खा क' बलगर सभ साँढ बनल छै
पकरल गेलै साउध महातमा चोर गवाही द' देलकै
देहक संग भले छोड़िक' चलि जाओ अपन क्यो
विरह हियाकेँ मजगूत नेहक डोर गवाही द' देलकै
कतबो सुन्नर पहिरन ओरहन की मनुख बनाओत
चालि प्रकृत आ की बहसल ठोर गवाही द' देलकै
पावन जहिना आँगनमे तुलसी चौड़ा बेटी तहिना
सुन सुन सिसकति मायक कोर गवाही द' देलकै
~> ✍👤मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
#कचकैए_मोन_हमर
❤❤💚💚💚💚❤❤❤💚💚💚❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💝💟💝💟💗💗💝💗💝💟💝💗💗

कोई टिप्पणी नहीं