💞 बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 💘 टिफीन - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

💞 बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 💘 टिफीन

💞  बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा )
                                   💘  टिफीन
                   


✍👤वी०सी०झा"बमबम" 


📖 ~बस्ता पटकि छौंड़ा सीधे पड़ेलइ
~ पाछू सँऽ चूनियाँ टोकइत - हरउ हरउ बीच इस्कूल संऽ तूं कतय पराइत छहिऽ ?
~ चूप्पऽ - चूप्पऽऽऽऽ छौंड़ा मुह पर आंगुर रखैत बाजल

~ नहिं हम तऽ मास्टर साहेब कऽ कहबे करबई 
~ चूप्पऽ ने हल्ला कियाक करइत छंऽ एखने मास्टर सूनतइ तऽ छौंकियाऽ देत !

~ पहिले कह कतय जाइत छिहि तूंऽ ?
~ चूपऽ ने ---- तोंरहि लेल मोंछी तोड़य जाइत छियहुं ' आ तूहिंऽ हल्ला करैइत  छिहि एह

~ साँच मऽ --- कहैत छैंऽ ? लेकिन से तूं हमरा पहिने कियाक नहिं कहलें ?
~ गइ्इ तोहर सप्पत सत्ते कहैत छियहु !

~ हे तखन जल्दी जोऽ आ टिफीन खतम होय संऽ पहिनहिं आवि जहिंए 
~ ठीक छय लेकिन तूंऽ ककरो कहबिंहि नहि ने गइ्इऽ ?

~ नहिं , अप्पन सप्पत हम ककरो नहि कहबैक ऽऽऽ
~ बेस तऽ हम हइया अबैत छी - - - - - - !

✍👤 वी०सी०झा"बमबम" 
.                                         कैथिनियाँ


🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤



❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं