एहो रामा किया भेलै
🌹मैथिलि गीत🌹
एहो रामा किया भेलै
✍👤सुरेन्द्र सूर्या
पालपोस दुनियाँ देखैलन सेहो भेल पराई।।
एहो रामा किया भेलै बुढपन में बाबु माई बलाई।।
सुना गोद भैरदा कैहके मंदिर मस्जिद कोबला कैलक
जितिया जितमाहन पूजलक अर्घ दिनानाथ के देलक
की की कके बेटा भेलैन सेहो भेल कसाई
एहो रामा किया भेलै...............…................।।
बाबुआ कखनो रुईस रहै त माई जा मनाके लाबै
बाबु यीनका हाथ पकैर के स्कुल से पढ़ाके लाबै
सपना छल जे हाथ के लाठी सेहो छुटल जाइ
एहो रामा किया भेलै..................................।।
एक एक कके धन अरजला बैठल छा तू गाछी तर
बेटा पुतहु मौज करै छो बैठल कोठा - सोफा पर
जेकरा लाs कया मनमा सिहैला सेहो नाइ सहाई
एहो रामा किया भेलै..................................।।
📝✍👤 सुरेन्द्र सूर्या
नौसय बिघा-५
धनुषा(जनकपुर)
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
🌻🌻🌻🌻

कोई टिप्पणी नहीं