।💞 बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 💘 इजाजत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

।💞 बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा ) 💘 इजाजत

💞 बीप्रेक ( बीहनि प्रेम कथा )
                           
                              💘 इजाजत


   ✍👤 वी०सी०झा "बमबम"
                
~ श्वेता भगवान अहाँक रचना बड्ड निचैन सऽ केने हेताह
~ से कि यउ ? हमरा मे कोन एहन चिज देखना गेल अहाँक ?

~ अहाँक सर्वांग शरीरक रचना अतुल्य केलनि ब्रह्माजी 
~ ( विंहुसैत ) धूर जॉउऽ अहुँऽ सतत् - - - - -हँसीए करैत रहै छी...

~ अहाँक कांतिमान मुखमंडल कल्पवृक्षक छाहड़ि हमरा दइत अछि ! कहिं इ रुप देखि स्वयं रति आ चाँदनी नहि लजा जाइथ !
~ अहुँ किछु कम नहि छी ! मुदा हे समय आब अपना सबकैंऽ एहि सऽ बेसी स्नेह करबाक इजाजत नहि दइत अछि ! 
माय आब सेहो हमरा ताकैत हेती !

~ मूदा एखने तऽ अहाँ आयल छलहु आ एखने - - - - - -
~ एक पहर बीति गेलय, श्रींगार रश मेऽ अहाँक समय केर ख्याल नहि रहल !

~ ओह समय कतेक जल्दी बीति जाइत छय ?
~ फेर काल्हि भेटब पढ़ि कऽ घूरैत काल !

~ बेस तऽ हम बाट ताकब - - - -

✍👤 वी०सी०झा "बमबम"
.                                   कैथिनियाँ



❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤❤
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी

❤❤❤⚡⚡⚡⚡⚡⚡⚡⚡⚡⚡⚡⚡





❤❤❤❤❤

कोई टिप्पणी नहीं