फेसबुकिया भऽ गेल
।॥फेसबुकिया भऽ गेल! ॥
-----हास्य व्यंग्य-----
✍👤सुबोध चौधरी
मांथ भार भरि ढ़किया भऽ गेल
आँखि सुजि दुनु टिकिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
लहरै देह आँखि नींन्न ने ठहरै
हरदम लोगक पोस्ट केँ खहरै
नींन्न हमर भूक-भूकिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
डॉक्टर कहब रे छौड़ा चेतै
अपन हालत देह कें देखै
प्राणक इ गिर-गिटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
भरि भरि दिन मोबाइले टीपी
बढ़ि गेलै खर्चा टु जी बी
नेटक खर्चा ठार खटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
के की कहतै के टीपकेतै
हमर लिखल व्यर्थहीं जेतै
मोनक बढ़ खिटपिटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
पर पंचैती हल्ला गुल्ला
गारा गारी खुल्लम खुल्ला
भरिगर काज झंझटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
फेसबुकिया छै पैघ बेमारी
बढ़ बढ़ लोगक केलक शिकारी
हमरो बुइध भांघटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
सुन्न लागैया गाँम मोहल्ला
इंटरनेट पर छै बमकोल्ला
गाँमक सुन्न चौबटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
मोन करै झंझट इ फेंकी
लगक लोग कें भरि मन देखी
दुरक सब संगतिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
खाइया सपत 'सुबोध' कि चेतब
कनेके काल फेसबुक कें देखब
बढ़ इ काज फोकटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
---------
✍👤सुबोध चौधरी।।
💗💗💗💗💗💗💗💗💙💙💙💙💝💝💝
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤💗💗💗💗💗💝👇💙💙💗💓💓
❤❤🌷🌷🌷🌷
❤🌷🌷
-----हास्य व्यंग्य-----
✍👤सुबोध चौधरी
मांथ भार भरि ढ़किया भऽ गेल
आँखि सुजि दुनु टिकिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
लहरै देह आँखि नींन्न ने ठहरै
हरदम लोगक पोस्ट केँ खहरै
नींन्न हमर भूक-भूकिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
डॉक्टर कहब रे छौड़ा चेतै
अपन हालत देह कें देखै
प्राणक इ गिर-गिटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
भरि भरि दिन मोबाइले टीपी
बढ़ि गेलै खर्चा टु जी बी
नेटक खर्चा ठार खटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
के की कहतै के टीपकेतै
हमर लिखल व्यर्थहीं जेतै
मोनक बढ़ खिटपिटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
पर पंचैती हल्ला गुल्ला
गारा गारी खुल्लम खुल्ला
भरिगर काज झंझटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
फेसबुकिया छै पैघ बेमारी
बढ़ बढ़ लोगक केलक शिकारी
हमरो बुइध भांघटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
सुन्न लागैया गाँम मोहल्ला
इंटरनेट पर छै बमकोल्ला
गाँमक सुन्न चौबटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
मोन करै झंझट इ फेंकी
लगक लोग कें भरि मन देखी
दुरक सब संगतिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
*
खाइया सपत 'सुबोध' कि चेतब
कनेके काल फेसबुक कें देखब
बढ़ इ काज फोकटिया भऽ गेल।
हमरा तऽ फेसबुकिया भऽ गेल!!
---------
✍👤सुबोध चौधरी।।
💗💗💗💗💗💗💗💗💙💙💙💙💝💝💝
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
❤❤❤💗💗💗💗💗💝👇💙💙💗💓💓
❤❤🌷🌷🌷🌷
❤🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं